सिरहा, ९ पुसः शीतलहरके कारण लहान बजारसहित ग्रामीण क्षेत्रक जनजीवन प्रभावित भेल अइछ ।
शीतलहरसँ बालबालिका, वृद्धवृद्धा तथा विपन्न समुदाय सबसँ बेसी प्रभावित भेल अइछ । स्थानीयवासी भोरेसँ घुर ताइप क दिन बिताइब रहल अइछ, तँ विद्यालयमे विद्यार्थीके उपस्थिति सेहो कम भेल अइछ ।
जाड़ बढ़लाक बाद लहान नगरपालिका आइ भोरेसँ बजार क्षेत्रके विभिन्न चौकपर जारैन वितरण क आइग तापएके व्यवस्था सुरु केलक अइछ । लहान नगरपालिकाके प्रमुख महेश प्रसाद चौधरी ग्रामीण चौक, राधाकृष्ण चौक, गणेश चौक, हनुमानस्थान, हुलाक चौकलगायत स्थानमे जारैन वितरण क आइग तापबाक व्यवस्था कएल गेल बतौलैन ।
ओ कहलैन, “बढ़ैत जाड़सँ नगरवासीकेँ जोगेबाक लेल तत्काल राहतक कार्यक्रम सुरु कएल गेल छै । बजार क्षेत्रके प्रमुख चौकपर आइग तापए लेल जारैनक व्यवस्था कएल गेल आ वाड सङे समवंय क २४ वाडके आवश्यक स्थानमे जारैन वितरण करबाक तैयारी भ रहल छै ।” हुनक कहब अनुसार गरिब तथा विपन्न समुदायकेँ लक्षित क ५ सओ परिवारकेँ फाइबरके सिरक वितरण करबाक तैयारी सेहो कएल गेल छै ।
ओ कहलैन, “जाड़सँ केकरो जान जोखिममे नै परै तइ उद्देश्यसँ नगरपालिका अपना दिससँ सकभैर पहल क रहल छै ।” मौसममे भेल परिवर्तन आ निरन्तरके ठन्डा हावाके कारण विद्यालयमे विद्यार्थीके उपस्थिति कम भेल माध्यमिक विद्यालय पड़रिया थारू टोलके प्रधानाध्यापक मनोज यादव जानकारी देलैन ।
हुनक कहब अनुसार बेसी जाड़क कारण विशेष क विपन्न परिवारक बालबालिका सङे गरम कपड़ाके कमी भेलासँ विद्यालयमे नियमित उपस्थिति नै अइछ ।
तहिना, डिभिजन वन कार्यालय लहान सेहो जाड़सँ बँचबाक लेल जारैनक व्यवस्थापनमे सहयोग क रहल जनौलक अइछ । कार्यालयके सूचना अधिकारी राधेश्याम चौधरीके कहब अनुसार जिलाके मुख्य बजार क्षेत्रमे जारैन उपलब्ध करेबाक लेल कार्यालय पाँच लाख टका बजेट विनियोजन कएने अइछ ।
जाड़क प्रभाव बढ़लाक बाद जिला विपद् व्यवस्थापन समितिके बैसारक तैयारी भ रहल सहायक प्रमुख जिला अधिकारी चेतराज बराल जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार जिलाके १७ स्थानीय तहके प्रमुख सङे परामर्श भ रहल आ जल्दी बैसार क जारैन उपलब्ध करेबाक, गरम कपड़ा वितरण करबाकलगायत आवश्यक निर्णय क कार्यावंयन कएल जाएत । लगातारके शीतलहरसँ जनजीवन प्रभावित भेलाक कारण सरकारी निकाय तथा स्थानीय तह सेहो सक्रियता बढ़ौने अइछ । (रासस)





