मोटरसाइकल दुर्घटनामे एक गोटेक मृत्यु


मलङ्गवा (सर्लाही), १० पुसः बलरा नगरपालिका–१० सुदमामे मोटरसाइकल दुर्घटना भेलासँ रामनगर गाउँपालिकाके कार्यालय सहयोगीके मृत्यु भेल अइछ ।

सुदामा ब्यारेजमे मप्र ०३–०२ प ३७४४ नम्बरके मोटरसाइकल दुर्घटना भेलासँ रामनगर गाउँपालिका–१ खैर्वा निवासी ४० वर्षक सञ्जय यादवके मृत्यु भेल सर्लाहीके प्रहरी नायव उपरीक्षक सरोज राई जानकारी देलैन ।

स्थानीयबासी आइ भोर मोटरसाइकल दुर्घटनाग्रस्त आ यादवकेँ मृत अवस्थामे देखलाक बाद प्रहरीकेँ खबर कएने छल । रामनगर–५ स्थित गाउँपालिका अध्यक्ष राजा बाबु यादवके घरसँ बुधदिन साँझ कार्यालय सहयोगी यादव गाउँपालिकाके मोटरसाइकलसँ घर घुरैतकाल दुर्घटना भेल होबाक अनुमान कएल गेल अइछ ।

प्रहरी घटनाक सम्बन्धमे आओर अनुसन्धान क रहल जनौने अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय