सात जिलाके चाइर सओ ९३ उम्मेदवारक जमानत जफत


काठमाण्डू, २६ फागुनः इएह फागुन २१ गते सम्पन्न प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनमे देशक विभिन्न सात जिलाक ४ सओ ९३ गोटे उम्मेदवारक जमानत जफत भेल अइछ ।
हमरासभक समाचारदातासभक कहब अनुसार काठमाण्डूके १० निर्वाचन क्षेत्रके २ सओ २६ गोटे उम्मेदवारके जमानत जफत भेल जिला निर्वाचन कार्यालयके निर्वाचन अधिकारी ठाकुर प्रसाद भट्टराई जानकारी देलैन ।
नेकपा (एमाले), नेपाली कम्युनिष्ट पार्टी आ राष्ट्रिय जनमोर्चा, उज्यालो नेपाल पार्टी, श्रम संस्कृति पार्टीसहित स्वतन्त्र उम्मेदवारक जमानत जफत भेल अइछ ।
काठमाण्डू क्षेत्र नं. १ मे एमाले उम्मेदवार मोहन राज रेग्मीसहित २६, क्षेत्र नं. २ मे राममणि फुयाँलसहित २५, क्षेत्र नं. ३ मे एमाले उम्मेदवार रामेश्वर फुयाँलसहित १९, क्षेत्र नं. ४ मे २५ गोटे उम्मेदवारके जमानत जफत भेल अइछ ।
तहिना, काठमाण्डू क्षेत्र नं. ५ मे एमाले उम्मेदवार ईश्वर पोखरेलसहित २२ गोटेके जमानत जफत भेल अइछ, तँ काठमाण्डू क्षेत्र नं. ६ मे १७, क्षेत्र नं. ७ मे २६, क्षेत्र नं. ८ मे २१, क्षेत्र नं. ९ मे २२ आ क्षेत्र नं. १० मे २३ गोटे उम्मेदवारके जमानत जफत भेल अइछ । प्रतिनिधि सभा सदस्य उम्मेदवार बनल ओसभ धरौटीबापत १० हजार टका निर्वाचन कार्यालयमे जमा कएने छल ।
प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचन ऐन, २०७४ के दफा ७१ (१) बमोजिम जमा सदर मतके १० प्रतिशत मत प्राप्त नै क सकल उम्मेदवार धरौटीबापत जमा कएने रकम जफत कएल जाइत अइछ ।
तहिना, कास्की–१ मे १४, कास्की–२ मे १४ आ कास्की–३ मे १२ गोटे उम्मेदवारक जमानत जफत भेल जिला निर्वाचन कार्यालयकेँ उद्धृत करैत पोखरासँ हमरासभक स्थानीय प्रतिनिधि जनौलक अइछ ।
दाङस्थित रासस प्रतिनिधि अनुसार दाङमे ५१ गोटे उम्मेदवारक जमानत जफत भेल अइछ । प्रदेश निर्वाचन कार्यालयके सूचना अधिकारी गेहेन्द्र कुवँरके अनुसार दाङ क्षेत्र नं.१ मे नेपाली कम्युनिष्ट पार्टीके उम्मेदवार मेटमणी चौधरी, एमाले उम्मेदवार रेवती रमण शर्मा, स्वतन्त्र उम्मेदवार कुल प्रसाद केसीसहित १२ गोटे उम्मेदवारक जमानत जफत भेल अइछ ।
एमालेसँ दाङ १ मे उम्मेदवारी देने रेवती रमण शर्मा, लुम्बिनी प्रदेशक पूर्वमुख्यमन्त्री कुल प्रसाद केसीसहित ओइ निर्वाचन क्षेत्रक १२ गोटेके जमानत जफत भेल अइछ । तहिना, क्षेत्र नं. २ मे २० गोटेके जमानत जफत भेल अइछ ।
तहिना, इलाममे १८ गोटेके जमानत जफत भेल अइछ । दूटा निर्वाचन क्षेत्र रहल इलाममे प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणालीअन्तर्गत क्षेत्र नं. १ मे १३ गोटे उम्मेदवारमध्ये आठ आ क्षेत्र नं. २ मे १४ उम्मेदवारमध्ये एक स्वतन्त्रसहित १० गोटेके जमानत जफत भेल अइछ ।
जमानत जफत होएबलामे राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीके ज्वाला नेपाल, नेपाल मजदुर किसान पार्टीके तुल्सी केशरी प्रजापति, मङ्गोल नेसनल अर्गनाइजेसनके बुद्ध लाल मेचे, नेपाल जनमुक्ति पार्टीके डम्बर सिंह लिम्बू, सङ्घीय लोकतान्त्रिक राष्ट्रिय मञ्चके राम प्रसाद लिम्बू, नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (माओवादी) के नारदमणि साङपाङ, उज्यालो नेपाल पार्टीके हरि बहादुर गुरुङ आ जनता समाजवादी पार्टीके लिला बहादुर सुनुवारके जमानत जफत भेल अइछ । तहिना, क्षेत्र नं. २ मे १० गोटेके जमानत जफत भेल अइछ ।
तहिना, हमरासभक भोजपुर समाचारदाता देने जानकारी अनुसार सात गोटे उम्मेदवारके जमानत जफत भेल अइछ । बागलुङ क्षेत्र नम्बर १ मे राष्ट्रिय जनमोर्चासहित आठ गोटे उम्मेदवारके जमानत जफत भेल अइछ ।
राष्ट्रिय जनमोर्चा केन्द्रीय अध्यक्ष एवं पूर्वउपप्रधानमन्त्री चित्र बहादुर केसीके सेहो जमानत जफत भेल सहायक निर्वाचन अधिकृत पूर्णप्रसाद शर्मा जानकारी देलैन ।
रूपन्देहीस्थित रासस प्रतिनिधि अनुसार १ सओ ४३ गोटे उम्मेदवारके जमानत जफत भेल अइछ, तँ ललितपुरसँ हमरासभक स्थानीय समाचारदाता अनुसार ६३ गोटे उम्मेदवारके जमानत जफत भेल अइछ ।
जिलामे राजनीतिक दलके ४० आ २३ गोटे स्वतन्त्र उम्मेदवारके जमानत जफत भेल ललितपुरके मुख्य निर्वाचन अधिकृत पुनाराम खनाल जानकारी देलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय