गजेन्द्र नारायण अस्पतालके डेन्टल विभागमे आइगलगी


राजविराज (सप्तरी), २६ फागुनः राजविराजस्थित गजेन्द्र नारायण सिंह अस्पतालके डेन्टल (दन्त रोगसम्बन्धी) शाखाअन्तर्गत बहिरङ्ग (ओपिडी) सेवा प्रदान कएल जाएबला भवनमे सोमदिन आइगलगी भेल अइछ । अइ ठामक डेन्टल ओपिडी सेवा आ ‘रेकर्ड’ रुममे आइगलगी भेलासँ लाखो टका बराबरके क्षति भेल बताओल गेल अइछ ।
डेन्टल विभागके डा. दिपाली झाके कहब अनुसार अइ ठाम इलाजक लेल आएल बेमारीकेँ अस्पतालमे इलाज क रहल समय डेन्टल उपकरणके कम्प्रेसरमे अचानक विद्युत् सर्ट भ क आइग लागल छल । ओइ क्रममे ओइ ठाम भेल अन्य डेन्टल उपकरणमे धिरे-धिरे आइग पसरल ओ जानकारी देलैन ।
अस्पताल अनुसार आइगलगीसँ तीनटा डेन्टल उपकरण, दूटा कम्प्रेसर, दूटा डेस्क, तीनटा डेन्टल कुर्सी, एकटा फ्रिज आ सातटा पङ्खा पूर्ण रूपमे जइर क नष्ट भेल मेडिकल सुपरिडेन्ट अवधेश कुमार मिश्रा जानकारी देलैन । अन्य उपकरणसहित करिब २५ लाख टकासँ बेसीके क्षति भेल ओ बतौलैन ।
तहिना, ओपिडी रेकर्डके रूपमे रहल कागजाँतसभ सेहाे जइर क नष्ट भेल अइछ । आइगकेँ जिला प्रहरी कार्यालयसँ आएल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी नेपाली सैन तथा स्थानीय आ राजविराजसँ आएल वारुण यन्त्र नियन्त्रणमे लेने छल । आइगलगीसँ कोनो मानवीय क्षति नै भेल अस्पताल जनौलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय