डॉ. करूणा झाक सातम कविता संग्रह ‘पैरों तले चाँदनी’


दलान डेस्क । चर्चित कवयित्री डॉ. करूणा झाक सातम हिन्दी कविता संग्रह ‘पैरों तले चाँदनी’ टटके प्रकाशित भेल अइछ ।

भारतक प्रतिष्ठित पाखी प्रकाशनसँ प्रकाशित अइ संग्रहमे एक सौ कविता आ’ गÞजÞल संग्रहित अइछ । ई पुस्तक एखन Amazon पर सेहो उपलब्ध अइछ । कविता संग्रह ‘पैरों तले चाँदनी’ मुख्य रूपसँ नारी सशक्तिकरण, स्त्री चेतना, संघर्ष, आत्मसम्मान आ’ सामाजिक यथार्थ पर केन्द्रित अइछ ।

अइमे डॉ. झा नारी जीवनक विविध आयाम—पीड़ा, प्रतिरोध, सपना आ’ स्वाभिमानके संवेदनशील आ सशक्त शब्दमे प्रस्तुत कएने छइथ । सरल भाषा, गहिर भाव आ’ समकालीन दृष्टि एहि संग्रहक विशेषता अइछ । साहित्यिक क्षेत्रमे पहिने सँ सक्रिय डॉ. करूणा झा अपन कवितामे समाजक दबाइल आवाज के मुखर करैत आएल छइथ ।

‘पैरों तले चाँदनी’ हुनकर साहित्यिक यात्राक महत्वपूर्ण कड़ी मानल जा’ रहल अइछ, जे पाठक सबके भावनात्मक रूपसँ जोड़ैत अइछ आ’ सोचबाक लेल प्रेरित करैत अइछ । साहित्य प्रेमी, विशेष रूपसँ स्त्री विमर्श आ’ सामाजिक चेतना मे रुचि रखनिहार पाठक लेल ई संग्रह एकटा महत्वपूर्ण कृति साबित भ’ रहल अइछ ।

डा. झा साहित्यक लेखनक अतिरिक्त भाषिक एवम् सामाजिक जागरणमे सक्रिय छइथ । हुनक लेखन मूलतः मैथिली आ’ हिन्दीमे अइछ । एकर अलावा नेपाली लेखनमे सेहो डेग आगाँ बढौने छइथ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय