जलेश्वर (महोत्तरी), ११ पुसः बितल एक हप्तासँ जाड़ बढ़लाक कारण जिला सदरमुकाम जलेश्वरसहित मध्यवर्ती, पश्चिमवर्ती तथा दक्षिणवर्ती क्षेत्रक नागरिकके जनजीवन प्रभावित भेल अइछ ।
शीतलहर, ठन्डा हावा, धुइनक कारण बितल पुस ४ गतेसँ मौसम प्रतिकूल भेलाक कारण सर्वसाधारणके सङे पशुचौपाया, पशुपन्क्षी तथा खेतबारीमे लगाएल गेल बाली सेहो प्रभावित भेल अइछ ।
निरन्तर बढ़ल जाड़क कारण अइ साल कोनो मानवीय क्षति नै भेलाक बादो जिलाक मध्यवर्ती, पश्चिमवर्ती तथा पूर्व दक्षिणवर्ती विभिन्न गामबस्तीमे सर्वसाधारणके दैनिकी कष्टकर भेल स्थानीय बतबैत अइछ ।
जाड़क कारण लोगसभ कोनो कामकाज नै क सकल अइछ, तँ बालबालिका आ वृद्धवृद्धा बेमार होबाक क्रम बढ़ल प्रादेशिक अस्पताल जलेश्वरके प्रमुख डा. विकास साह बतौलैन । हुनक कहब अनुसार अस्पतालमे अखन दैनिक १ सओ ५० सँ २ सओधैर बेमारीसभ इलाजक लेल आबैत अइछ ।
बारी तथा खेतमे लगाएल दलहन आ तरकारी सेहो जाड़के कारण खराब होबए लागल कृषकसभ बतौने अइछ । जाड़क कारण जिला सदरमुकाम जलेश्वरसहित सहरी तथा ग्रामीण भेगमे लोगसभक भिड़भाड़ कम भेल अइछ । तहिना, जिलाक विभिन्न बजारमे गरम कपड़ाके बिक्री बढ़ल व्यापारीसभ बतौने अइछ ।
जिलाक निजी क्लिनिक, स्वास्थ्य केन्द्रलगायत जिला अस्पतालमे जाड़क कारण बेमार होएबलाके सङ्ख्या बढ़ल प्रादेशिक अस्पतालक प्रमुख डा. साह बतौलैन । बइढ़ रहल जाड़केँ मध्यनजर करैत जिला विपद् व्यस्थापन समिति जिलाक १५ पालिकाकेँ विपद्के सामना करबाक लेल तैयारी अवस्थामे रहबाक लेल निर्देशन देलक अइछ ।
प्रमुख जिला अधिकारी ईन्द्रदेव यादव जिला वन कार्यालयसँ समवंय क सब पालिकामे उचित दरमे जारैन उपलब्ध करेबाक लेल पहल करबाक सङे सब पालिका प्रमुखसँ जनताके जानमालक रक्षाके लेल चौकचौक आ गामगाममे जारैन वितरण क आइग तापबाक व्यवस्थाके लेल आग्रह केलैन अइछ ।
जिला प्रशासन कार्यालय महोत्तरी नागरिककेँ जाड़ बइढ़ रहलाक कारण आवश्यकता बिना घरसँ बाहर नै जेबाक लेल आग्रह केलक अइछ । (रासस)





