काठमाण्डू । काठमाण्डू उपत्यका ट्राफिक प्रहरी कार्यालय विभिन्न समयमे चोरी भेल ६० टा मोटरसाइकल आ स्कुटर खोजी क आइ सम्बन्धित सवारी धनीकेँ हस्तान्तरण कएने अइछ ।
आइ काठमाण्डू उपत्यका प्रहरी कार्यालयमे आयोजित एक कार्यक्रममे काठमाण्डू उपत्यका प्रहरी कार्यालय रानीपोखरीक प्रमुख एवम् प्रहरी अतिरिक्त महानिरीक्षक ईश्वर कार्की आ काठमाण्डू उपत्यका ट्राफिक प्रहरी कार्यालयक प्रमुख एवम् प्रहरी वरिष्ठ उपरीक्षक नवराज अधिकारी संयुक्त रूपमे ३४ टा मोटरसाइकल आ २६ टा स्कुटर सम्बन्धित धनीकेँ हस्तान्तरण केलैन अइछ ।
आइ बुझाएल गेल ६० टा सहित १८१ टा सवारी साधन बितल साओनसँ एखनधैर ट्राफिक प्रहरी सवारी धनीकेँ जिमा लगा चुकल अइछ । सङे चोरीक १३ टा दु पहिया सवारी साधन सहित चोरीमे संलग्न २५ व्यक्तिकेँ नियन्त्रणमे लय क आवश्यक कारबाहीक लेल विभिन्न प्रहरी परिसर तथा प्रहरी वृत्तमे पठाएल गेल उपत्यका ट्राफिक प्रहरी प्रमुख एवम् प्रहरी वरिष्ठ उपरीक्षक नवराज अधिकारी राससकेँ जानकारी देलैन ।
चालु आर्थिक वर्षमे ४१७ टा आ आव २०८१/८२मे ५०३ टा दूपहिया सवारी खोजी क ट्राफिक प्रहरी सम्बन्धित धनीकेँ जिमे लगा चुकल उपत्यका ट्राफिक प्रहरी कार्यालयक प्रवक्ता एवम् प्रहरी उपरीक्षक नरेशराज सुवेदी जानकारी देलैन ।
सवारी साधन हराएलापर ट्राफिक प्रहरीक हटलाइन नम्बर १०३, नेपाल प्रहरीक हटलाइन नम्बर १००मे फोन करए लेल आ प्रहरी कार्यालयमे निवेदन देबाक लेल ट्राफिक प्रहरी आग्रह कएने अइछ । (रासस)





