काठमाण्डू, १२ पुस : नेपाल सरकार सनातन वैदिक दर्शन, संस्कृत शिक्षा तथा समाज सुधारके क्षेत्रमे विशेष योगदान देनिहार स्वामी परमानन्द सरस्वती महाराजके सम्मानमे संस्मरणात्मक हुलाक टिकट प्रकाशन केलक अइछ ।
हुलाक सेवा विभाग हुलाक टिकट प्रकाशन निर्देशिका, २०७० अनुसार विस्तृत अध्ययन, बातचित आ मूल्याङ्कनके बाद उक्त टिकटकेँ प्रकाशनक लेल सिफारिस कएने छल । सञ्चार तथा सूचना प्रविधि मन्त्रालयसँ स्वीकृति प्राप्त भेलाक बाद मन्त्रिस्तरीय निर्णयक आधारमे टिकट छपाइ तथा प्रकाशन कएल गेल हुलाक सेवा विभागक महानिर्देशक मनमाया पङ्गेनी भट्टराई जानकारी देलैन ।
बागलुङ जिलाके काठेखोला गाउँपालिका–६, पौवाडाँडामे १८ आसिन १९९४ वि.सं.मे जन्म भेल स्वामी परमानन्द सरस्वती छाेटेसँ सन्यास ग्रहण करैत जीवनभैर वैदिक धर्म, संस्कृत शिक्षा आ समाजसेवामे स्वयंकेँ समर्पित केलैन । ओ देशक विभिन्न जिलामे ३९ गुरुकुल, वेदविद्याश्रम, मन्दिर तथा आश्रमसभके स्थापना क निःशुल्क शिक्षा, आवास आ भोजनके व्यवस्था करैत सयौँ विद्यार्थीकेँ संस्कृत तथा वैदिक शिक्षामे दीक्षित कराैने संस्कृत भाषाविद् तथा कालिका संस्कृत विद्यापीठके पूर्वप्राचार्य डा रामचन्द्र कँडेल जानकारी करेलैन ।
वि.सं. २०५३ माघ १८ मे ब्रह्मलीन भेल स्वामी परमानन्द सरस्वतीके योगदानकेँ राज्यस्तरसँ २९ वर्षके बाद मरणोपरान्त कएल गेल ई सम्मानकेँ ऐतिहासिक मानल गेल श्री हरिहर सन्यास आश्रम, देवघाट जनौलक अइछ । १० टका दरके पाँच लाखके सङ्ख्यामे प्रकाशित हुलाक टिकट हाल देशभैरक हुलाक कार्यालयमार्फत सर्वसाधारणक लेल उपलब्ध कराएल गेल हुलाक सेवा विभाग जनौलक अइछ ।
—





