काठमाण्डू, १२ पुसः निर्वाचन आयोग अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचनक लेल आइ अन्तिम मतदाता नामावली प्रकाशन कएने अइछ ।
बितल प्रतिनिधिसभा सदस्य तथा प्रदेशसभा सदस्य निर्वाचनमे कुल एक करोड़ ७८ लाख ८८ हजार ५७० मतदाता छल । अइ बेर नौ लाख १५ हजार ११९ मतदाता बढ़ल आयोग जनौने अइछ ।
प्रकाशित नामावलीमे ९६ लाख ६३ हजार ३५८ पुरुष, ९२ लाख ४० हजार १३१ महिला आ आन २०० क कुल एक करोड़ ८९ लाख तीन हजार ६८९ मतदाता रहल आयोगक प्रवक्ता नारायणप्रसाद भट्टराई जानकारी देलैन । उक्त नामावली आयोगक वेबसाइटमे प्रकाशन कएल गेल अइछ ।
मतदाता नामावली ऐन, २०७३ क दफा २० बमोजिम आयोगसँ आइ अन्तिम मतदाता नामावली प्रकाशन भेल अइछ । मतदाता नामावली अद्यावधिक कार्यविधि, २०८१मे भेल व्यवस्था बमोजिम प्रक्रिया पूरा क अगिला फागुन २० गतेधैर १८ वर्ष उमेर पूरा होएबला नागरिकके विवरण अद्यावधिक क अन्तिम मतदाता नामावली प्रकाशन कएल गेल प्रवक्ता भट्टराई बताओलैन।
एहिना, आसन्न निर्वाचनक लेल देशभैर १० हजार ९६७ मतदानस्थलमे २३ हजार ११२ मतदान केन्द्र निर्धारण कएल गेल अइछ । रासस





