रवि आ बालेन बीच ‘बृहत् एकता’मे सहमति, भावी प्रधानमन्त्री बालेनकेँ बनाओल जाएत


काठमाण्डू । राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)क सभापति रवि लामिछाने आ काठमाण्डू महानगरपालिकाक प्रमुख बालेन्द्र शाह (बालेन) बीच आइ भोरमे ‘बृहत् एकता’ करबाक औपचारिक सहमती भेल अइछ ।

सहमति अनुसार राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टीक केन्द्रीय सभापति रवि लामिछाने रहत । आइसंगे आसन्न प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचन बाद बालेन्द्र शाहके संसदीय दलक नेता आ भावी प्रधानमन्त्रीक उम्मेदवारक रूपमे आगू बढाओल जेबाक सहमती भेल अइछ । सहमति पत्रमे दूनू नेताद्वारा सामाजिक न्यायसँ युक्त उदार अर्थतन्त्र आधारित बहुलवादी लोकतान्त्रिक प्रणाली भित्तर सुशासन कायम करबाक साझा प्रतिबद्धता व्यक्त कएल गेल अइछ ।

भ्रष्टाचार आ कुशासनक विरुद्ध युवासभ द्वारा चलाओल गेल आन्दोलन, विशेष कए भदौ २३ आ २४ क जेन–जी आन्दोलन सहित विभिन्न कालखण्डक जनआन्दोलनसँ उठल आवाजसभके संस्थागत रूप देबाक उल्लेख सहमति पत्रमे कएल गेल अइछ । आम नागरिकक आकांक्षा पूरा करबाक दिशामे मिलजुल क राजनीति करबाक प्रतिबद्धता सेहो दोहराओल गेल अइछ ।

बृहत् एकताक बाद पार्टीक सङ्गठनात्मक संरचना आओर सक्षम, समावेशी आ नम्हर बनेबाक सहमति भेल अइछ । योग्य, सार्वजनिक छवि रहल युवा अभियन्ता आ अनुभवी विज्ञसभके पार्टीमे जिम्मेवारी देल जाएत ।

तहिना, राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टीक सिद्धान्त, नेतृत्व आ चुनाव चिह्न ‘घण्टी’मे गोलबद्ध भऽ कए अन्य परिवर्तनकामी, सुसंस्कृत राजनीतिक शक्ति, समूह आ व्यक्तिसबके सेहो सहकार्य लेल आह्वान करबाक निर्णय भेल अइछ। रास्वपा आ बालेन्द्र शाह बीच एकताक विषयमे काफी समयसँ संवाद चइलरहल छल ।

गत सप्ताहसँ लगातार भेल भेटघाट आ छलफलक बाद अन्ततः साझा राजनीतिक दृष्टिकोण आ भावी कार्यदिशामे सहमति जुटल अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय