सिरहा, १३ पुसः जबरर्जस्ती करणी उद्योग मुद्दामे फरार रहल दू गोटे प्रतिवादीकेँ प्रहरी गिरफ्तार केलक अइछ । जिला प्रहरी कार्यालय सिरहाके सूचना अधिकारी एवं प्रहरी नायब उपरीक्षक रमेश बहादुर पालके अनुसार नवाजपुर गाउँपालिका–३ जगतपुरस्थित आमक फूलबारीके २२ वर्षक सञ्जीव कुमार यादव आ ३२ वर्षक श्याम सुन्दर यादव एक युवतीकेँ जबर्जस्ती करणी क फरार भेल छल ।
घटनाके बाद मानसिक तनावक कारण पीड़ित युवती चाइर महिना बाद बितल वैशाख २ गते अपने घरमे आइग लगा आत्महत्या कएने सूचना अधिकारी पाल जानकारी देलैन । हुनक कहब अनुसार घटनाकेँ गम्भीरतापूर्वक लैत प्रहरी फरार प्रतिवादीके खोजतलासकेँ तीव्र बनौने छल ।
खोजतलासके क्रममे फरार प्रतिवादी भारतक विभिन्न स्थानमे नुका क रहैत आएल सूचनाक आधारमे इएह पुस ९ गते इलाका प्रहरी कार्यालय महेशपुरपाटार सिरहासँ खटल प्रहरी टोली नेपाल–भारत सीमा लग नवाजपुर गाउँपालिका–३ झाँपड़िसँ ओकरासभकेँ गिरफ्तार कएल गेल प्रहरी नायब उपरीक्षक पाल जानकारी देलैन । गिरफ्तार कएल गेल दूनु गोटेकेँ इलाका प्रहरी कार्यालय महेशपुरपाटारमे राइखी आओर अनुसन्धान सुरु कएल गेल ओ बतौलैन । रासस





