काठमाण्डू, १३ पुसः पदावधि बाँकी रहिते प्रतिनिधिसभाक उपसभामुख इन्दिरा राना पदसँ राजीनामे देने छैथ ।
सभामुख आ उपभामुखक कार्यावधि आसन्न निर्वाचनमे प्रत्यक्ष दिस उम्मेदवारी मनोनयन करएसँ एकदिन पहिनेधैर कायम रहितो आइ ओ स्वेच्छासँ राजीनामा देने छैथ ।
निर्वाचन आयोग अगिला फागुन २१ गतेक लेल निर्धारित प्रतिनिधिसभाक निर्वाचनक लेल समानुपातिकदिसके बन्दसूची पेश करए लेल आइ आ सोमदिनके समय निर्धारण कएने अइछ । पछुलका अभ्याक आधारमे सेहो सभामुख आ उपसभामुखक पदावधि प्रत्यक्ष दिसके उम्मेदवारी मनोनयन करएसँ एक दिन पहिनेधैर कायम रहबाक सङ्घीय संसद् सचिवालय जनौने अइछ ।
सभामुख देवराज घिमिरे प्रत्यक्ष उम्मेदवारी मनोनयन होएसँ एक दिन पहिने अर्थात् अगिला माघ ५ गतेसँ बिदाइ होबाक तैयारी कएने बताएल गेल अइछ ।
नेपालक संविधानक धारा ९१मे प्रतिनिधिसभाक सभामुख आ उपसभामुख सम्बन्धी व्यवस्थाक उपदफा ६ (क)मे प्रतिनिधिसभा विघटन भेल अवस्थामे अपन पदमे बहाल रहल प्रतिनिधिसभाक सभामुख आ उपसभामुख प्रतिनिधिसभाक निर्वाचनके उम्मेदवारी दर्ता करएसँ एक दिन पहिनेधैर अपन पदमे बहाल रहबाक उल्लेख अइछ । रासस





