समाज रूपान्तरणके प्रमुख आधार शिक्षाः सभामुख यादव


महेन्द्रनगर (धनुषा), १४ पुसः मधेश प्रदेश सभाके सभामुख राम आशिष यादव शिक्षा समाज रूपान्तरणके प्रमुख आधार भेल बतौलैन अइछ ।

जनकपुरधामस्थित मोनास्टिक विद्यालय/कलेजके ४०म वार्षिकोत्सव कार्यक्रमकेँ आइ संबोधन करैत सभामुख यादव मोनास्टिक विद्यालय बितल चाइर दशकसँ गुणस्तरीय शिक्षा प्रदान करैत दक्ष, अनुशासित आ जिमेवार नागरिक उत्पादनमे महत्वपूर्ण योगदान दैत आएल उल्लेख केलैन । शिक्षा क्षेत्रमे समय अनुसार प्रविधि, नैतिकता आ व्यावहारिक ज्ञानकेँ प्राथमिकता देबाक चाही तइपर ओ जोड़ देलनै । विद्यार्थीकेँ अनुशासन, परिश्रम आ सकारात्मक सोचके सङे अध्ययनमे लागबाक लेल सभामुख यादव आग्रह केलैन ।

तहिना, विद्यालयके संस्थापक अध्यक्ष विणादेवी साह विद्यालयके इतिहास, उद्देश्य आ उपलब्धीके बारेमे जानकारी दैत मोनास्टिक विद्यालय स्थापना भेल उद्देश्य समाजकेँ शिक्षित, सचेत आ सक्षम नागरिक उत्पादन करबाक रहल बतौलैन । विद्यालय शैक्षिक उत्कृष्टता सङे अनुशासन, संस्कार आ समावेशी शिक्षाकेँ प्राथमिकता दैत आएल ओ जानकारी देलैन ।

कार्यक्रममे विद्यालय/कलेजके संस्थापक, शिक्षक, अभिभावक, विद्यार्थी तथा विभिन्न क्षेत्रक विशिष्ट व्यक्तिके उपस्थिति छलैन । वार्षिकोत्सवके अवसरमे विद्यार्थीसभ सांस्कृतिक प्रस्तुति, नृत्य, गीत तथा विविध कार्यक्रम प्रस्तुत कएने छल । विद्यालय प्रशासन ४०म वार्षिकोत्सवकेँ स्मरणीय बनेबाक लेल विभिन्न शैक्षिक तथा सांस्कृतिक गतिविधि आयोजन कएल गेल जनौलक अइछ ।

विद्यालयके संस्थापक डा. सोनु साह शिक्षा केवल किताबी ज्ञानमे सीमित नै भ नैतिकता, संस्कार आ व्यावहारिक सीपसँ जुटबाकपर जोड़ देलैन । कार्यक्रममे विद्यालयके शिखा नायक सेहो अपन धारणा व्यक्त केलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय