जसपा नेपाल आ जसपा बीच एकता घोषणा


काठमाण्डू, १४ पुसः जनता समाजवादी पार्टी नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव आ जनता समाजवादी पार्टीके सहअध्यक्ष रेणु यादव पक्ष बीच पार्टी एकता घोषणा भेल अइछ । हुनकासभ बीच आइ एकताके सहमति पत्रमे हस्ताक्षर सेहाे भेल अइछ । अइसँ पहिने रैबदिन तराई मधेश लोकतान्त्रिक पार्टी नेपाल आ जनता समाजवादी पार्टी नेपाल बीच एकताके सहमति भेल छल ।

विगतमे एकेटा दलमे रहल हुनकासभ बीच आसन्न प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनकेँ ध्यानमे राइख तथा मधेश आन्दोलनक उपलब्धीके रूपमे रहल सङ्घीयता गणतन्त्रके सरक्षण एवं संवर्द्धन तथा मधेश आ मधेशी जनताके अधिकार सुनिश्चितताके लेल कहैत एकताके सहमति भेल अइछ ।

जनता समाजवादी पार्टीके बहुमत केन्द्रीय सदस्य उपेन्द्र यादव नेतृत्वक पुरान पार्टीमे एकीकृत हाेबाक रेणु यादव पक्षक नेता प्रदीप यादव जानकारी देलैन । बदलैत राजनैतिक परिवेशमे जनता समाजवादी पार्टी नेपाल आ जनता समाजवादी पार्टीके एकता अपरिहार्य भेलासँ मधेशी जनताके इच्छा आ जनअपेक्षाकेँ शिरोधार्य क एकताके घोषणा कएल गेल ओ बतौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय