निर्वाचन प्रणाली सुधारक लेल संविधान संशोधन आवश्यकः अध्यक्ष यादव


जनकपुर, १५ पुसः जनता समाजवादी पार्टी नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादव वर्तमान शासकीय प्रणालीके सुधार सङे महँग भेल निर्वाचन प्रणालीमे सुधार करबाक लेल संविधान संशोधन आवश्यक भेल बतौलैन अइछ ।

सोमदिन जनकपुरधाममे पार्टीके मधेश प्रदेश समितिद्वारा आयोजन कएल गेल जनप्रदर्शन तथा विरोध सभाके संवोधन करैत ओ वर्तमान अवस्थामे प्रदेशकेँ अधिकार सम्पन्न बनेबाक लेल प्रदेश अन्तर्गत प्रहरी आ प्रशासन भेनाइ जरुरी भेल बतौलैन ।

अइगला फागुन २१ गते होबए लागल प्रतिनिधि सभा चुनावक लेल पार्टी तैयारी सुरु क चुकल बतबैत ओ लोकतन्त्रमे कोनो लोकतान्त्रिक पार्टी चुनावसँ पाछु नै जा सकैय से उल्लेख केलैन ।

जेनजी पुस्ताद्वार उठाएल गेल कुशासनक अन्त्य तथा सुशासनक स्थापनाके लेल अखनके निर्वाचन तथा शासकीय प्रणालीसँ कठिन होबाक बतबैत ओ देशमे स्थिरता तथा सुशासनक लेल कार्यकारी राष्ट्रपतिके चुनावक लेल शासकीय प्रणालीमे सुधारक लेल संविधान संशोधन जरुरी भेल बतौलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय