रास्वपा आ उनेपा बीच पार्टी एकता करबाक सहमति


काठमाण्डू, १५ पुसः राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा), उज्यालो नेपाल पार्टी (उनेपा) आ बालेन्द्र साह बीच एकतासम्बन्धी त्रिपक्षीय सहमतिपत्रमे हस्ताक्षर कएल गेल अइछ ।

सोमदिन हुनकासभ बीच भेल सहमतिअनुसार पार्टीके नेतृत्व संरचनामे केन्द्रीय सभापति रवि लामिछाने आ उपसभापति कुलमान घिसिङ रहबाक बताओल गेल अइछ । तहिना, अन्य उपसभापतिमे डोल प्रसाद अर्याल आ डा.स्वर्णिम वाग्ले रहबाक उल्लेख अइछ ।

रास्वपा सभापति रवि लामिछाने आ उनेपा अध्यक्ष अनुप कुमार उपाध्याय हस्ताक्षर कएने समझदारी पत्रमे बालेन्द्र साह साक्षीके रूपमे हस्ताक्षर केलैन ।

सहमतिमे एकताके बाद साविक रास्वपाके नाम आ चुनाव चिन्ह रहबाक उल्लेख अइछ । तहिना, रास्वपाके सिद्धान्त, नेतृत्व आ चुनाव चिह्न ‘घण्टी’ अन्तर्गत लोकतान्त्रिक सुशासन, समुन्नति आ सामाजिक न्यायके मुद्दा आगु बढ़ेबाक लेल अन्य सुसंस्कृत एवं परिवर्तनकामी वैकल्पिक राजनीतिक शक्ति, समूह आ व्यक्तिसभकेँ आह्वान करबाक सेहो सहमतिपत्रमे उल्लेख अइछ ।

सहमतिपत्रअनुसार दूनु पार्टी नेपालीके समतामूलक उन्नतिप्रति प्रतिबद्ध रहैत सामाजिक न्यायसहितक उदार अर्थतन्त्रमे विश्वास केनिहार बहुलवादी लोकतान्त्रिक प्रणाली भीतर समतामूलक शासन स्थापित करबाक आवश्यक भेल स्वीकार करैत नयाँ राजनीतिक शक्ति निर्माणक लेल सहकार्य करबाक प्रतिबद्धता जनाओल गेल अइछ ।

तहिना, भादब २३ आ २४ गतेके जेनजी आन्दोलनलगायत विभिन्न कालखण्डमे भेल जनआन्दोलनक सहिद एवं घायल भेल व्यक्तिसभक बलिदानकेँ प्रेरणाक स्रोतके रूपमे लेल गेल अइछ । नव युवासभद्वारा भ्रष्टाचार आ कुशासन विरुद्ध कएल गेल आन्दोलनके भावना आत्मसात् करैत घायल भेल व्यक्ति तथा सहिद परिवारक माँगसभक यथोचित संबोधन करबाक सेहो प्रतिबद्धता जनाओल गेल अइछ ।

सहमतिपत्रमे कहल गेल अइछ, “इजाेत आ आत्मनिर्भर अर्थतन्त्र, डेलिभरीमे आधारित राजनीति, योग्यता प्रणालीके स्थापना, भ्रष्टाचारमे शून्य सहनशीलता आ सुशासनप्रति प्रतिबद्ध रहैत समुन्नति आ सामाजिक न्यायके राष्ट्रिय उद्देश्यसभक लेल आवश्यक नीतिगत, संस्थागत एवं संरचनागत सुधारमार्फत आर्थिक, सामाजिक उन्नयन आ सुसंस्कृत राजनीतिक अभ्यासके जगमे अइगला दश साल भीतर नेपालकेँ सम्मानजनक मध्यम आय भेल राष्ट्र बनेबाक मार्गचित्रके इमान्दार कार्यावंयनप्रति समर्पित रहब ।”

उज्यालो नेपाल पार्टीके अभियान आ युवा अभियन्ता तथा अनुभवी विज्ञसभकेँ एकताके बाद पार्टी संरचनामे समायोजन क जिमेवारी निर्धारण करैतकाल योग्यता, समावेशिता आ सार्वजनिक छविकेँ आधार बनेबाक सेहो उल्लेख अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय