चन्द्रपुर (रौतहट), १५ पुसः पूर्वपश्चिम राजमार्गअन्तर्गत रौतहटके चन्द्रनिगाहपुर–धन्सार सड़कखण्डके लमाह पुल लग आइ भोर एलपी ग्यासके ट्याङ्कर दुर्घटना भेलासँ राजमार्ग अवरुद्ध भेल अइछ ।
भारतक रक्सौलसँ एलपी ग्यास ल क धनुषाके महेन्द्रनगरदिस जा रहल युपी १७ एटी २११४ नम्बरके ट्याङ्कर आइ भोर दुर्घटना भेल छल । दुर्घटनामे ट्याङ्कर चालक भारतक कदोरा जिला जयनगर थाना निवासी ३५ वर्षक पवन यादव घायल भेल छैथ । घायल चालकके चन्द्रनिगाहपुरस्थित सिभिल अस्पतालमे इलाज भ रहल जिला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय रौतहटके प्रमुख राजेन्द्र थापामगर जानकारी देलैन ।
अखन पूर्वसँ आएल सवारीसाधनकेँ चन्द्रनिगाहपुरस्थित जिला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय आगु आ पश्चिमसँ आएल सावारीसाधनकेँ धन्सार पुल लग रोकल गेल ट्राफिक प्रहरी प्रमुख थापामगर बतौलैन । ट्याङ्कर बीच सड़कपर दुर्घटना भेलासँ सड़क अवरुद्ध भेल अइछ, तँ ग्यास लिक भ रहलाक कारण दुर्घटनाके जोखिम बढ़ल अइछ । उक्त ग्यास ट्याङ्करके हटेबाक लेल जनकपुरसँ ग्यास कम्पनीके प्राविधिकसहितके टोली आइब रहल सेहो प्रमुख थापामगर जानकारी देलैन ।
(रासस)





