शीतलहरसँ जनजीवन प्रभावित भेलाक बाद राजविराजके विद्यालय बन्द


राजविराज (सप्तरी), १५ पुसः शीतलहरके कारण जनजीवन प्रभावित भेलाक बाद सप्तरीके राजविराजसहित तीन पालिकाके विद्यालयमे बिदा देल गेल अइछ ।

राजविराज नगरपालिकाके वरिष्ठ शिक्षा अधिकृत भोगेन्द्र प्रसाद यादवद्वारा सोमदिन जारी सूचनाअनुसार आइसँ तीन दिनक लेल राजविराज नगरपालिकाभैरके सम्पूर्ण विद्यालयमे बिदा देल गेल अइछ । इएह पुस १६ गतेसँ १८ गतेधैर विद्यालय बन्द रहबाक जनाओल गेल अइछ ।

तहिना, जिलाके महादेवा आ अग्नीसाइर कृष्णासवरण गाउँपालिका सेहो पुस १६ गतेसँ १८ गतेधैर तीन दिन विद्यालयमे बिदा देल गेल जनौलक अइछ । महादेवा गाउँपालिकाके अध्यक्ष सुनिल कुमार मण्डल सूचना जारी क जाड़ बढ़लासँ बालबालिकाके स्वास्थ्यमे असर होबाक कारण बिदा देल गेल बतौलैन ।

तहिना, अग्निसाइर कृष्णासवरण गाउँपालिकाके कार्यवाहक अध्यक्ष कल्पना कुमारी चौधरी आ प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत धिरेन्द्र कुमार यादवद्वारा हस्ताक्षरित सूचनामे पालिकाअन्तर्गतके सामुदायिक, धार्मिक तथा संस्थागत सब विद्यालयमे तीन दिनक लेल बिदा देल गेल उल्लेख अइछ ।

अइसँ पहिने जिलाक डाक्नेश्वरी नगरपालिकाका आ राजगढ़ गाउँपालिका पालिकाअन्तर्गतके सब निजी तथा सामुदायिक विद्यालयमे पाँच दिनक लेल बिदा देने छल । दूनु पालिका पुस १८ गते शुक्रदिनधैर बिदा देने अइछ । तहिना, बोदेवरसाइन नगरपालिका सेहो विद्यालयमे जाड़ बिदाके घोषणा कएने अइछ ।

सप्तरीमे शीतलहरके कारण जनजीवन प्रभावित भेल अइछ । भिंसर आ साँझमे कुहेस लागब आ दुपहरमे ठन्डा हावाके कारण बालबालिका, वृद्ध, पशुपन्छी प्रभावित भेल अइछ । अखन जाड़क कारण विभिन्न अस्पतालमे बेमारीके भीड़ बढ़ल अइछ । राजविराजस्थित गजेन्द्र नारायण सिंह अस्पतालमे इलाजक लेल आबैबला बेमारीसभ बढ़ल अइछ । विशेष क सर्दी खोकी, बुखार तथा दमाके बेमारी इलाजक लेल आइब रहल अस्पताल प्रशासन जनौलक अइछ । जिलाके अन्य स्वास्थ्य चौकीमे सेहो बेमारीसभक भीड़ बढ़ल अइछ । (रासस)
Image: Jibachh Das/Jamuni

ताजा खबर
लोकप्रिय