६४ दलद्वारा समानुपातिकके बन्द सूची पेस


काठमाण्डू, १५ पुसः अइगला प्रतिनिधि सभा निर्वाचनक लेल ६४ राजनीतिक दल समानुपातिक प्रणालीके बन्द सूची पेस केलक अइछ ।

बहादुर भवनस्थित निर्वाचन आयोगके कार्यालयमे स्थापित समानुपातिक प्रणालीके निर्वाचन अधिकृतक कार्यालयमे इएह पुस १३ आ १४ गतेके लेल बन्द सूची पेस करबाक कार्यतालिका निर्धारण कएल गेल छल । सोमदिन राइत आ आइ भिंसरधैर जमा ६४ राजनीतिक दलद्वारा बन्द सूची पेस कएल गेल आयोगक प्रवक्ता नारायण प्रसाद भट्टराई जानकारी देलैन ।

उक्त प्रणालीदिस १ सओ १० स्थानक लेल ६४ दलके तीन हजार ४ सओ २४ गोटे उम्मेदवारक नाम बन्द सूचीमे समावेश भेल अइछ । बन्द सूची पेश करैबला ६४ दलमध्ये ५४ दलके अपने चुनाव छाप आ १० दलसँ सझिया चुनाव छापमे उम्मेदवारी पड़ल अइछ ।

तहिना, किछ दलबीच एकता आ सहकार्यके सहमति भेलासँ देर राइत बन्द सूची पेस करबाक काज भेल छल । आयोगमे ९३ राजनीतिक दल समानुपातिक प्रणालीमे उम्मेदवारी देबाक लेल आवेदन देने छल ।

प्राप्त बन्द सूचीके सम्बन्धमे आइसँ इएह पुस २० गतेधैर छानबिन करबाक कार्यतालिकाअनुसार काज हएत से प्रवक्ता भट्टराई बतौलैन । आयोग पुस २० गतेधैर बन्द सूची छानबिन कएलाक बाद सचिएबाक या कागजात पूरा नै भेल अवस्थामे पुस २१ गतेसँ २७ गतेधैर मिलेबाक लेल दलसभकेँ समय देत । इएह पुस २८ गतेसँ माघ ३ गतेधैर दल कागजात मिलौलाक बाद बन्द सूची जाँच कएल जाएत । अइगला माघ २० गते अन्तिम सूची प्रकाशन हएत । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय