युवाके सोचअनुसार देश निर्माणमे अग्रसर छी: प्रधानमन्त्री


काठमाण्डू, १५ पुसः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्की देशमे विकसित घटनाक्रमसँ पाठ सिखैत शान्तिपूर्ण, संविधानसम्मत आ लोकतान्त्रिक विधिप्रक्रियासँ युवाके सोचअनुसार देश निर्माण करए लेल सरकार अग्रसर रहल बताैलैन अइछ ।

कतबो मतभेद भेलोपर एकापसमे हाथमे हाथ मिला क आपसी संवाद आ सहमतिक आधारमे देशकेँ राजनीतिक निकास दैत निर्वाचनके पक्षमे देश लागल ओ बतौलैन । ‘तमु ह्युल छोज धिँ गुरुङ राष्ट्रिय परिषद्’द्वारा आइ टुँडिखेलमे आयोजित तमु ल्होसार महोत्सवकेँ सम्बोधन करैत प्रधानमन्त्री कार्की लोकतन्त्रके मुख्य आधार उल्लासमय वातावरणसहित स्वच्छ आ निष्पक्ष निर्वाचन रहल बतौलैन ।

ओ राजनीतिक दलके दिससँ उत्साहसँ समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीदिसमे उम्मेदवारके बन्द सूची निर्वाचन आयोगमे पेश भेलासँ आब प्रतिनिधि सभा सदस्यके निर्वाचन सुनिश्चित भेल कहलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय