कृषिकेँ पहिल प्राथमिकतामे राखने छी: मुख्यमन्त्री यादव


महोत्तरी, १६ पुसः मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री कृष्णप्रसाद यादव कृषि क्षेत्रकेँ प्रदेश सरकार पहिल प्राथमिकतामे राइख क काज करबाक बताैलैन अइछ । आइ नेपाल होटल तथा पर्यटन व्यवसायी महासङ्घ मधेश प्रदेश मुख्यमन्त्रीक स्वागतमे लालगढमे आयोजित बधाइ तथा शुभकामना कार्यक्रममे ओ कृषिसम्बन्ध कार्यक्रमकेँ प्राथमिकता देबाक बतौलैन ।

“मधेशकेँ समृद्ध बनाबए कृषिके आधुनिकीकरण आवश्यक अइछ”, मुख्यमन्त्री यादव कहलैन, “तँए दू वर्षभित्र सिँचाइसम्बन्धी पूरा होएबला आयोजना आगू बढ़ल छै ।” सिँचाइसङे आधुनिक कृषि प्रणाली अपनाबैत किसानकेँ सहयोग करबाक कार्यक्रम विस्तार कएल जेबाक ओ जानकारी देलैन अइछ ।

मधेश कृषिक लेल उर्बर भेलोपर खेतीपातीक लेल आवश्यक संसाधन नै भेलासँ किसान अपेक्षित उत्पादन नै ल सकल मुख्यमन्त्री यादवके मान्यता अइछ । आब प्रदेश सरकारक ध्यान कृषि संसाधन व्यवस्था करैत किसानकेँ सहयोगमे केन्द्रित होबाक ओ बतौलैन ।

उक्त अवसरमे मुख्यमन्त्री यादव मधेशके शिक्षा आ स्वास्थ्य अवस्था सुधारक लेल विशेष जरुरी रहल उल्लेख केलैन ।

समारोहमे कार्यक्रम आयोजक महासङ्घ मधेश प्रदेश समिति मुख्यमन्त्री यादवकेँ सम्मानपत्र प्रदान केलक अइछ । कार्यक्रम महासङ्घ मधेश प्रदेश अध्यक्ष हीरालाल गौतमके अध्यक्षतामे सम्पन्न भेल अइछ । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय