पूर्वमन्त्री गुप्ताकेँ पूर्पक्षक लेल हिरासतमे रखाबाक आदेश


काठमाण्डू, १६ पुस : विशेष अदालत घुस प्रकरणमे पूर्वमन्त्री राज कुमार गुप्ताकेँ पूर्पक्षक लेल हिरासतमे रखबाक लेल आदेश देलक अइछ ।

गुप्ता ७८ लाख टका घुस लेने आरोपमे अदालत आइ भ्रष्टाचार निवारण ऐन अनुसार पूर्पक्षक लेल हिरासतमे राखय लेल आदेश देल अइछ । जरिवाना आ घुसक नगद जफत होएबला व्यवस्था लागू करबाक हिसाबसँ अदालत आदेश देल अइछ ।

विशेष अदालतक न्यायाधीशसभ सुदर्शनदेव भट्ट, डिल्लीरत्न श्रेष्ठ आ विदुर कोइराला क संयुक्त इजलास उक्त आदेश कएने अइछ । ओइ आदेशमे उल्लेख भेल अनुसार गुप्ता सङ्घीय मामिला तथा सामान्य प्रशासन मन्त्री तथा सांसद पदमे रहैत आन व्यक्तिसभकेँ प्रयोग क घुस लेल गेल प्रमाण भेटल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय