काठमाण्डू, १७ पुसः ग्रेगोरियन क्यालेन्डर अनुसार आइसँ इस्वी संवत्के नयाँ साल सन् २०२६ सुरु भेल अइछ । पादरी ग्रेगोरियन येशु ख्रिस्टके जन्म भेल सालसँ इस्वी संवत्के सुरु कएने कारण एकरा ग्रेगोरियन क्यालेन्डर कहल जाइत अइछ । नयाँ साल सन् २०२६ के अवसरमे अइ क्यालेन्डर अनुसारके पाबैन तिहार मनाबैबला आइ एक दोसरके शुभकामना आदानप्रदान क मना रहल अइछ ।
ग्रेगोरियन क्यालेन्डरके आधारमे इस्वी सन् सौरमासके आधारमे मात्रे निर्माण कएल गेल बताओल जाइत अइछ ।
नयाँ साल २०२६ के अवसरमे विदेशीके बेसी उपस्थिति होएबला काठमाण्डूके ठमेल, बौद्ध तथा उपत्यका बाहर पोखरा, सौराहालगायत स्थानमे विभिन्न कार्यक्रम आयोजन क नयाँ सालके स्वागत भ रहल अइछ । रासस
–––





