काठमाडौ, १७ पुसः भादब २३ आ २४ गतेक जेनजी आन्दोलनसँ सम्बन्धित विषयमे जाँचबुझ करबाक लेल गठित आयोग तत्कालीन प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीकेँ बयानक लेल पत्राचार करबाक भेल अइछ ।
आयोगक अध्यक्ष गौरीबहादुर कार्की आइ सञ्चारकर्मीक प्रश्नक उत्तरमे तत्कालीन गृहमन्त्री रमेश लेखकसँ बयान लेबाक काज सम्पन्न भेलासँ आब तत्कालीन प्रधानमन्त्री ओलीकेँ बयानमे बोलाबय लेल पत्राचार करए जा रहल स्पष्ट केलैन ।
नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले) क अध्यक्ष एवम् तत्कालीन प्रधानमन्त्री ओली अइ आयोगक कानुनी हैसियत आ स्वच्छतापर प्रश्न उठाबैत बयानक लेल आयोगमे नै जाइब कहि रहल अवस्थामे आयोग पत्राचार कएने अइछ ।
एहिना आयोगकेँ थप समय सीमाभितर प्रतिवेदन देबाक लेल हमरासभ काज क रहल छी ओ कहलैन ।
आसिन ५ गतेक मन्त्रिपरिषद् बैसारसँ गठित तीन सदस्यीय आयोगक कार्यकाल अगिला माघ ५ गतेधैर थप कएल गेल अइछ । (रासस)





