निर्वाचन आबैमे ६२ दिन बाँकीः आयोगद्वारा सामग्री ढुवानीके लेल आवेदन आह्वान


काठमाण्डू, १८ पुसः निर्वाचन आयोग अगिला फागुन २१ गतेके लेल निर्धारण कएल गेल प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक आवश्यक सामग्री ढुवानीके लेल सम्बद्ध पक्षकेँ आग्रह केलक अइछ ।

निर्वाचनमे प्रयोग होएबला निर्वाचन सामग्री ढुवानीके लेल हेलिकप्टर, ट्रक, कन्टेनर प्रयोग कएल जाएत । ढुवानीके लेल कुरियर सेवा संचालन करैबला फर्म या कम्पनीकेँ सूचीकृत होबए आबै लेल आयोग आग्रह केलक अइछ ।

आयोगद्वारा सूचीकृत होबाक लेल इच्छुक फर्म या कम्पनीकेँ आवश्यक शर्त पूरा क आवेदन देबाक लेल कहल गेल अइछ । सम्बन्धित निकायसँ सेवा संचालन करबाक लेल प्राप्त कएने इजाजतपत्र, मूल्यअभिवृद्धिकर दर्ता प्रमाणपत्र आ आर्थिक वर्ष २०८१/८२ धैरके करचुक्ता प्रमाणपत्र आ बितल तीन आर्थिक वर्षके कारोबार विवरण प्रष्ट भेल प्रमाणपत्रके प्रतिलिपि पेस करबाक लेल आयोगद्वारा आग्रह कएल गेल अइछ ।

हेलिकप्टर भाड़ामे लेबाक लेल बितल तीन आर्थिक वर्षके न्यूनतम औसत वार्षिक कारोबार रकम तीन करोड़ टका बराबरके होबए पड़त । ट्रक तथा कन्टेनर भाड़ामे देबैबलाके एक करोड़ आ कुरियर सेवाके लेल ३० लाख टका बराबरके कारोबारके विवरण पेस करए पड़त ।

कुरियर सेवा प्रदान करबाक लेल इच्छुक कम्पनीके अपन कुरियरके कार्यालय आ प्रतिनिधि ७७ जिलामे भेल टेलिफोन, मोबाइल नम्बरबसहितक विवरण निवेदनसहित पेस करए पड़त ।

एकसँ बेसी समूहमे सूचीकृत होबएजँका निवेदन देलापर ओहन निवेदनपर कारबाही नै करबाक आयोग जनौलक अइछ । सेवा प्रदायक फर्म या कम्पनी सूचीकृत करब या नै करब से सम्पूर्ण अधिकार आयोगमे निहित रहत । रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय