आर्थिक क्रियाकलाप सकारात्मक


राष्ट्रिय समाचार समिति
काठमाण्डू, १८ पुसः बितल आर्थिक वर्षके तुलनामे चालु आर्थिक वर्ष २०८२/८३ मे देशक आर्थिक वृद्धिदर कमजोर होबाक अनुमानके बीच नेपाल राष्ट्र बैंक अइ साल बितल सालसँ आर्थिक क्रियाकलाप बढ़ल आ वृद्धिदर सेहो औसतसँ बेसी होबाक जनौलक अइछ ।

बितल आर्थिक वर्ष २०८१/८२ के ‘आर्थिक गतिविधि अध्ययन वार्षिक प्रतिवेदन’ सार्वजनिक करैत राष्ट्र बैंक बितल सालसँ अइ साल आर्थिक क्रियाकलापमे बढ़ोत्तरी होबाक जनौलक अइछ ।

“आर्थिक वर्ष २०८२/८३ मे मुद्रास्फीतिके दबाब कम छै । विश्वव्यापी रुपमे इन्धन तथा खाद्य वस्तुके दाममे गिरावट आएल, कर्जा तथा निक्षेपके ब्याजदर घइट रहल अवस्थामे छै, जलविद्युत् उत्पादनमे उल्लेख्य वृद्धि भेल, बाह्य पर्यटकके आगमनमे वृिद्ध सङे निर्यात आ विप्रेषण आप्रवाहमे सेहो वृिद्ध भेल आ विगत किछ सालसँ संकुचनमे रहल निर्माण आ उत्पादनमूलक उद्योग क्षेत्र बैंकद्वार कएल गेल मौद्रिक सहजताके कारण विस्तार भ रहलासँ आर्थिक वृद्धि औसतसँ बेसी हएत”, प्रतिवेदनमे उल्लेख अइछ ।

चालु आर्थिक वर्षमे आर्थिक क्रियाकलाप बितल सालके तुलनामे सकारात्मक होबाक अनुमान राष्ट्र बैंक कएने अइछ । “अर्थतन्त्रमे तरलता पर्याप्त रहल, सरकार सुशासन प्रर्वद्धन करैत पुनःनिर्माण आगु बढ़ौने, छोट आ तैयारी नै भेल आयोजनामे बजेट स्थगन करैत परियोजना प्राथमिकीकरण कएल गेललगायत काजसँ अर्थतन्त्र चलायमान भ आर्थिक गतिविधि बढ़बाक अनुमान अइछ”, केन्द्रीय बैंकके प्रतिवेदनमे कहल गेल अइछ ।

राष्ट्रिय तथ्याङ्क कार्यालयके अनुसार बितल आर्थिक वर्ष २०८१/८२ मे नेपालक आर्थिक वृिद्धदर उपभोक्ताके दाम ४ दशमलव ६ प्रतिशत आ प्रचलित दाम ४ प्रतिशत रहबाक प्रारम्भिक अनुमान अइछ ।

बितल आर्थिक वर्षके कूल गार्हस्थ्य उत्पादनमे कृषि, उद्योग आ सेवा क्षेत्रके योगदान क्रमशः २५ दशमलव दू, १२ दशमलव आठ आ ६२ प्रतिशत रहबाक प्रारम्भिक अनुमान रहल प्रतिवेदनमे उल्लेख अइछ ।

बितल आर्थिक सालमे देशक कूल गार्हस्थ्य उत्पादनमे बागमती प्रदेशके हिस्सा सबसँ बेसी ३६ दशमलव पाँच प्रतिशत छल, तँ कोशी प्रदेशके हिस्सा १५ दशमलव नौ प्रतिशत छल । कर्णाली प्रदेशके हिस्सा सबसँ कम चाइर दशमलव दू प्रतिशत छल ।

प्रतिवेदनअनुसार बितल आर्थिक सालमे प्रमुख कृषिबालीके उत्पादन तीन दशमलव सात प्रतिशतसँ बढ़ल अइछ । एहन कृषि बालीसँ पूर्ण भू-क्षेत्र दू दशमलव दू प्रतिशतसँ घटल अइछ ।

तहिना, तरकारी उत्पादन १० दशमलव एक आ मसला उत्पादन शून्य दशमलव सात प्रतिशतसँ बढ़ल अइछ, तँ फलफूल उत्पादन तीन दशमलव तीन प्रतिशतसँ घटल अइछ ।

पशुजन्य उत्पादनअन्तर्गत दूध उत्पादन एक आ मांस उत्पादन शून्य दशमलव तीन प्रतिशतसँ घटल अइछ, तँ अण्डा उत्पादन एक प्रतिशतसँ बढ़ल अइछ । वनजन्य उत्पादनअन्तर्गत काठ उत्पादन आठ दशमलव ८२ आ जारैन उत्पादन चाइर दशमलव ७४ प्रतिशतसँ बढ़ल अइछ, तँ दवाइजन्य वस्तुके उत्पादन एक दशमलव ९१ प्रतिशतसँ घटल अइछ ।

बितल आर्थिक सालमे अध्ययनमे भेल उद्योगके औसत क्षमता उपयोग ४४ दशमलव पाँच प्रतिशत भेल राष्ट्र बैंक जनौलक अइछ । आर्थिक वर्ष २०८०/८१ मे एहन क्षमता उपयोग ४८ दशमलव तीन प्रतिशत छल । वि.सं. २०८२ अखार महिनाधैर बैंक तथा वित्तीय संस्था प्रवाह कएने जमा कर्जामे औद्योगिक क्षेत्र कर्जाके अंश ३० दशमलव ४२ प्रतिशत छल ।

प्रतिवेदनअनुसार बितल आर्थिक वर्षमे नेपाल भ्रमण करैबला पर्यटक संख्या एक दशमलव सात प्रतिशतसँ वृद्धि भ ११ लाख ४७ हजार ८ सओ ३४ गोटे भेल अइछ ।

तहिना, बितल आर्थिक वर्षमे घर/भवन नक्सा पास संखया एक दशमलव दू प्रतिशत आ घरजग्गा रजिस्ट्रेशनसँ प्राप्त होएबला राजस्व १८ दशमलव छ प्रतिशतसँ घटल अइछ । वि.सं. २०८१ अखार महिनाके तुलनामे २०८२ अखार महिनामे बैंक तथा वित्तीय संस्थाके निक्षेप १२ दशमलव पाँच प्रतिशत आ कर्जा प्रवाह आठ दशमलव दू प्रतिशतसँ वृिद्ध भेल अइछ ।

राष्ट्र बैंकके अनुसार २०८२ अखार महिनाधैर औसत कर्जा–निक्षेप अनुपात ७६ दशमलव छ प्रतिशत अइछ । बैंक तथा वित्तीय संस्थाके जमा निक्षेप तथा कर्जामे बागमती प्रदेशक अंश उच्च अइछ । जमा निक्षेपमे अइ प्रदेशक अंश ६५ दशमलव आठ प्रतिशत आ जमा कर्जामे ५९ दशमलव पाँच प्रतिशत रहल प्रतिवेदनमे उल्लेख अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय