ठगी तथा आपराधिक विश्वासघात कसुरमे मेगा बैंकके सिइओ पाण्डे पकड़ाएल


काठमाण्डू, ३० वैशाखः दुरसञ्चारसम्बन्धी ठगी तथा आपराधिक विश्वासघातक कसुरमे नेपाल इन्भेष्टमेन्ट मेगा बैंक लिमिटेडक प्रमुख कार्यकारी अधिकृत (सिइओ) ज्योतिप्रकाश पाण्डेकेँ प्रहरीक केन्द्रीय अनुसन्धान ब्युरो गिरफ्तार केलक अइछ।

काठमाण्डूक रक्तकाली घर भ हाल ललितपुर–५ मानभवनमे रहयबला ६३ वर्षीय पाण्डेकेँ मोबाइल फोन स्विच अफ क भागैत काल सिन्धुलीक कमलामाई नगरपालिका–६ बसपार्कस्थित मदनभण्डारी राजमार्गसँ गिरफ्तार कएल गेल सिआइबीक प्रवक्ता शिव कुमार श्रेष्ठ जानकारी देलैन।

हुनक अनुसार ‘स्मार्ट टेलिकम प्राली’ नियमानुसार अनुमतिपत्र नवीकरण नै कएलासँ दूरसञ्चार ऐन, २०५३ क दफा २५ क उपदफा (५) क अनुसार २०८० वैशाख ३ गतेसँ अनुमतिपत्र स्वतः रद्द भेल छल।

पाण्डे दूरसञ्चार सेवा प्रदायकके सम्पत्ति व्यवस्थापन नियमावली, २०७९ क नियम १८ क अनुसार सम्पूर्ण सम्पत्ति, दूरसञ्चार पूर्वाधार, संरचना, दूरसञ्चार प्रणाली आ दूरसञ्चार सञ्जाल नेपाल दूरसञ्चार प्राधिकरण नियन्त्रणमे लेलाक कारण नेपाल सरकारक सम्पत्ति बेइमानीपूर्वक नेपाल सरकारके हक टुटैएबला उद्देश्यसँ काज क/करबा क मुलुकीय अपराध संहिता, २०७४ क अन्तर्गत ठगी तथा आपराधिक विश्वासघात कसुरमे लोन रिकभरी कमिटीक अध्यक्ष सेहो रहल हैसियतमे उक्त लिलामी प्रक्रियामे संलग्न रहल प्रहरी जनौलक अइछ।

ओहि कसुरमे पाण्डेपर अनुसन्धान जारी रहल प्रवक्ता, प्रहरी वरिष्ठ उपरीक्षक श्रेष्ठ जानकारी देलैन। (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय