काठमाण्डू, ३० वैशाखः सरकार निजामती कर्मचारीकेँ राजनीतिमे संलग्न भेल तँ सेवासँ हटेबाक चेतावनी देल गेल अइछ ।
संघीय मामिला तथा सामान्य प्रशासन मन्त्रालय आइ सूचना जारी करैत निजामती कर्मचारीकेँ अनुशासन आ आचरणसम्बन्धी व्यवस्था पूर्ण रूपमे पालन करबाक लेल निर्देशन देलक अइछ।
सूचनामे नेपालके संविधान आ निजामती सेवा ऐनअनुसार निजामती सेवा राजनीतिक रूपमे तटस्थ, निष्पक्ष आ उत्तरदायी होएबाक चाही से उल्लेख कएल गेल अइछ । मन्त्रालय निजामती सेवा ऐन, २०४९के दफा ६१ उपदफा (१)के खण्ड (ङ) अनुसार निजामती कर्मचारी राजनीतिमे भाग लेलापर भविष्यमे सरकारी सेवाके लेल अयोग्य नै होबाक हिसाबेँ सेवासँ हटेबाक व्यवस्था रहल सम्झाबैत मन्त्रालय कर्मचारी राजनीतिक दल, भ्रातृ सङ्गठनमे नै आबद्ध होबाक लेल जनौलक अइछ ।
सूचनामे राजनीतिक गतिविधिमे संलग्न होएब, सङ्गठनके सदस्यता लेब वा निर्वाचनमे उम्मेदवार बनैबला कर्मचारीकेँ सेवासँ हटाएल जेबाक व्यवस्था रहल मन्त्रालय उल्लेख केलक अइछ । (रासस)





