काठमाण्डू, ३१ वैशाखः हाल देशमे पश्चिमी न्यूनचापीय प्रणाली, स्थानीय वायु तथा तरका वायुमण्डलमे भेल न्यून चापीय क्षेत्रक प्रभाव कायम रहल जल तथा मौसम पूर्वानुमान महाशाखा जनौलक अइछ ।
महाशाखा अनुसार हाल कोशी, मधेश, बागमती, गण्डकी आ लुम्बिनी प्रदेशलगायत देशक हिमाली तथा पहाड़ी भागमे साधारणतया बदली अइछ, तँ बाँकी भागमे आंशिक बदली भेल अइछ । कोशी आ बागमती प्रदेशक किछ तथा लुम्बिनी आ गण्डकी प्रदेशक किछ स्थानमे मध्यम वर्षा भ रहल अइछ ।
आइ दुपहर कोशी, बागमती आ गण्डकी प्रदेशलगायत देशका हिमाली तथा पहाड़ी भागमे साधारणतया बदली रहबाक तथा बाँकी भागमे आंशिक बदली रहबाक महाशाखाके पूर्वानुमान अइछ । कोशी प्रदेशक किछ स्थानसहित बागमती आ गण्डकी प्रदेशक हिमाली तथा पहाड़ी भागक किछ स्थान, बाँकी हिमाली तथा पहाड़ी भागक एक–दू स्थान तथा मधेश, बागमती, गण्डकी आ लुम्बिनी प्रदेशक तराई भागक एक–दू स्थानमे मेघगर्जन तथा ठन्कासहित मध्यम वर्षा तथा हिमपातके सम्भावना अइछ ।
तहिना, आइ राइत कोशी, मधेश, बागमती आ गण्डकी प्रदेशलगायत देशक हिमाली भागमे साधारणतया बदली रहबाक तथा बाँकी भागमे आंशिक बदली रहबाक जनाओल गेल अइछ । कोशी आ मधेश प्रदेशक किछ स्थान, बागमती आ गण्डकी प्रदेशक हिमाली तथा पहाड़ी तथा कर्णाली प्रदेशक हिमाली भागक एक–दू स्थानमे मेघगर्जन तथा ठन्कासहित मध्यम वर्षा तथा हिमपात होबाक सम्भावना रहल महाशाखा जनौलक अइछ । (रासस)





