शिक्षा बिना देशमे समृद्धि सम्भव नै अइछः सभामुख यादव


महेन्द्रनगर (धनुषा), १९ पुसः मधेश प्रदेशक सभामुख रामअशिष यादव शिक्षा बिना देशमे समृद्धि सम्भव नै भेलासँ शिक्षाक टिकाउ आ प्रभावकारी विकासमे जोड़ देबाक सरोकारबलासभकेँ आग्रह कएने छैथ ।

आइ जनकपुरधामस्थित हिमाली अङ्ग्रेजी बोर्डिङ स्कुलक ३४म वार्षिकोत्सव कार्यक्रमकेँ सम्बोधन करैत ओ मधेशक शिक्षाक अवस्था अत्यन्त कमजोर रहलासँ सबकेँ सहकार्य आ समन्वयसँ सुधार करैत समयसापेक्ष बनेबापर बातमे जोड़ देलैन ।

सभामुख यादव मधेश प्रदेशक शिक्षामे गुणस्तरीयता कायम करब आ सब वर्गक बालबालिकामे पहुँच पहुँचाबय लेल तीनू तहके सरकारकेँ विशेष प्राथमिकता देबाक जरुरी रहल कहलैन । ओ प्रदेशक आर्थिक, समाजिक आ सांस्कृतिक क्षेत्रक विकासक लेल अनुशासन सहितक शिक्षा आवश्यक रहल उल्लेख करैत हरेक अभिभावककेँ अपन–अपन बालबालिकाकेँ नैतिकवान् आ चरित्रवान् बनौबय पड़त से विचार व्यक्त केलैन ।

राष्ट्रिय समाचार समिति (रासस) क मधेश प्रदेश प्रमुख सुरेश झा ई प्रदेश देवभूमि आ शिक्षाक लेल महत्त्वपूर्ण मानल गेलापर सेहो पछिला समय शिक्षाक गुणस्तर कमजोर बनैत गेल धारणा राखलैन। ओ समग्र प्रदेश आ देशक विकासक लेल शिक्षामे सबके पहुँच विस्तार करएपर जोड़ दैत अइ लेल सरकारी, गैरसरकारी तथा सरोकारबला निकाय बीच सहकार्य आ समन्वय आवश्यक रहल बताैलैन।

संस्थापक रमेश साह, जनकपुरधाम उपमहानगरपालिका–२३ क वाडअध्यक्ष राघवेन्द्र साह, वरिष्ठ पत्रकार कमल साह, श्रीनारायन साह सहित वक्तासभ शिक्षाक महत्त्वक विषयमे अपन–अपन धारणा राखने छल । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय