प्रतिनिधि सभा निर्वाचनः झापा–५ सँ एमाले अध्यक्ष ओलीके नाम सिफारिस


झापा, २० पुसः आसन्न प्रतिनिधि सभा निर्वाचनक लेल झापा निर्वाचन क्षेत्र नं. ५ सँ नेपाल कम्युनिष्ट पार्टी (एमाले)क अध्यक्ष एवम् पूर्वप्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीके एकल नाम सिफारिस कएल गेल अइछ ।

पार्टीके शैनदिन सम्पन्न क्षेत्रीय कमिटीके बैसारसँ अध्यक्ष ओलीके नाम सर्वसम्मत रूपमे सिफारिस कएल गेल पार्टीके जिला अध्यक्ष प्रेम गिरी जानकारी देलैन । झापा–५ ओलीके गृह निर्वाचन क्षेत्र अइछ । अइ क्षेत्रसँ ओ वि.सं. २०४८, २०५१, २०५६, २०७०, २०७४ आ २०७९ के संसदीय चुनावमे निर्वाचित भेल छलैन । मुदा, वि.सं. २०६० मे सम्पन्न संविधान सभाके पहिल निर्वाचनमे ओ पराजित भेल छलैन । वि.सं. २०६४ मे सम्पन्न दोसर संविधान सभाके चुनावमे ओ इएह क्षेत्रसँ निर्वाचित भेल छलैन ।

तहिना, झापा निर्वाचन क्षेत्र नं. ४ सँ तीन गोटेक नाम आगामी फागुन २१ गते होबएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक लेल प्रत्यक्षदिसके उम्मेदवारमे सिफारिस कएल गेल अइछ । उक्त क्षेत्रसँ लाल बहादुर साँवा लिम्बू, हिरा थापा आ भोज कुमारी नेपालके नाम क्षेत्रीय कमिटीके बैसारसँ सिफारिस कएल गेल पार्टीका जिला अध्यक्ष गिरी जानकारी देलैन ।

झापामे पाँचटा निर्वाचन क्षेत्र अइछ । झापा निर्वाचन क्षेत्र नं. १, २ आ ३ के उम्मेदवारके नाम आइधैर सिफारिस कएल जाएत से ओ बतौलैन । हरेक निर्वाचन क्षेत्रसँ अनिवार्य एक महिलासहित तीन गोटेक नाम सिफारिस करबाक लेल पार्टीद्वारा ‘सर्कुलर’ जारी कएल गेल अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय