प्रधानमन्त्री कार्कीसँ थारू कल्याणकारिणी सभाके भेट


काठमाण्डू, २० पुसः प्रधानमन्त्री सुशीला कार्कीकेँ थारू कल्याणकारिणी सभाके एकटा प्रतिनिधिमण्डल आइ भेट क थारू राष्ट्रिय माघी महोत्सवके निमन्त्रण देलक अइछ ।

महोत्सवके मूल आयोजक समितिके संयोजक एवं थारू कल्याणकारिणी सभाके अध्यक्ष प्रेमी लाल चौधरी प्रधानमन्त्री कार्कीकेँ आबैबला माघ १ गते टुँड़िखेलमे आयोजन होएबला कार्यक्रमक लेल निमन्त्रण पत्र हस्तान्तरण केलैन । अध्यक्ष चौधरी प्रधानमन्त्री कार्कीकेँ थारूसभक माँग आ मुद्दाकेँ संबोधन करबाक लेल आग्रह करैत निजामती सेवामे हमरासभक आरक्षणके विषय सुनिश्चित करबाक लेल सेहो माँग केलैन ।

संविधान आ कानुनमे व्यवस्थित भ चुकल हकके प्रचलन केकरो नै रोकबाक चाही से प्रधानमन्त्री कार्की धारणा व्यक्त केलैन । ओ कहलैन, “संविधान देने अधिकार के आ किया रोकलक ? ई बात हमहू नै बुझिसकल छी । हम अइप्रति चिन्तित छी । संविधान आ कानुनमे व्यवस्थित भ चुकल हकके प्रचलन केकरोद्वारा नै रोकबाक चाही ।” (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय