अमेरिकी आक्रमणके बाद भेनेजुएलाके राजधानी सुनसान


रासस/एएफपी
काराकास, २० पुसः अमेरिकी आक्रमणके बाद भेनेजुएलाके राजधानी काराकास शांत आ सुनसान अइछ । शैनदिन भिंसरसँ कएल गेल सैन्य कारबाहीके बाद विस्फोटके गन्ध अखनो सहरभैर पसरल अइछ, तँ त्रसित नागरिकसभ घटनाके असर बुझबाक प्रयासमे अइछ ।

राष्ट्रपति निकोलस मादुरोके किछ समर्थक हुनक रिहाइके माँग करैत जमा भेलाक बादो सहरके अधिकांश सड़कसभ खाली अइछ ।

स्थानीय समयअनुसार शैनदिन भिंसर करिब २ बजे दर्जनसँ बेसी विस्फोटक आवाज सुनल गेल छल ।

सहरके विभिन्न भागमे विस्फोटक कारण कुहेस जेहन वातावरण बनल अइछ । प्रत्यक्षदर्शीसभ विमानस्थल आ बन्दरगाह भेल ला ग्वाइरा, पश्चिमदिसके मराकाय तथा पूर्वदिसके हिगुएरोते क्षेत्रमे सेहो बमबारी कएल गेल बतौलक अइछ ।

आक्रमणके बाद मादुरोकेँ अमेरिकी विशेष फौज नियन्त्रणमे ल न्युयोर्क ल गेल खबर सार्वजनिक भेलाक बाद समर्थकसभ राजधानीमे जमा भ नाराबाजी सुरु कएने छल । विश्वविद्यालय प्राध्यापक कातिया ब्रिसेञो विदेशी सरकार आइब क राष्ट्रपतिके हटेबाक काज अस्वीकार्य भेल कहैत आक्रोश व्यक्त केलैन ।

प्रदर्शनकारी बाहेक सहरमे सर्वसाधारणके चहलपहल कम भेल अइछ । कारी रंगके पोशाकधारी सुरक्षाकर्मीसभ हतियारसहित केन्द्रिय क्षेत्रमे गस्ती क रहल अइछ । दोकान आ बजार बन्द अइछ, किछ दोकानमे सिमित ग्राहकके मात्रे प्रवेश देल गेल अइछ ।

विस्फोटसँ भेल क्षति मुख्यतः सैनिक संरचनामे सीमित रहल जनाओल गेल अइछ । रक्षामन्त्री भ्लादिमिर पाद्रिनो लोपेज आवासीय क्षेत्रमे सेहो आक्रमण कएल गेल आरोप लगौलैन अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय