वीरगञ्ज (पर्सा), २० पुसः जिला प्रशासन कार्यालय पर्सा जिलामे सामाजिक सद्भाव कायम करबाक लेल सबसँ आह्वान केलक अइछ । पर्साके प्रमुख जिला अधिकारी भोला दाहाल आइ सार्वजनिक अपिल करैत सामाजिक सद्भाव उथलपुथल होएबला कोनो प्रकारक गतिविधि नै करबाक लेल आह्वान केलैन अइछ ।
“एक दोसरमे सामाजिक तथा धार्मिक या सांस्कृतिक द्वेष भाव उत्पन्न क राष्ट्रिय एकतामे ठेस पहुँचाएब या झुठ अफवाह फैला क समुदायके सामाजिक मानमर्दन करबाक काजमे संलग्न व्यक्तिसभक फेसबुक, टिकटक, इन्स्टाग्रामलगायतक सामाजिक संजाल खाताके सूक्ष्म निगरानी भ रहल छै”, ओ कहलैन, “एहन गतिविधिकेँ गम्भीरतापूर्वक लैत सचेत आ सजग होबाक लेल सेहो अनुरोध कएल जाइत अइछ ।” (रासस)





