बागमती, २१ पुसः हेटौँडा–काठमाण्डू जोड़ैबला भीमफेदी–कुलेखानी–काठमाण्डू सड़क खण्डअन्तर्गत भीमफेदी गाउँपालिका–६ जुरीखेतस्थित सड़कमे सुमो गाडी दुर्घटनामे मृत्यु भेल छ गोटेमध्ये आइ भिंसरधैर पाँच गोटेके सनाखत भेल अइछ ।
जिला प्रहरी कार्यालय मकवानपुरके प्रवक्ता प्रहरी नायब उपरीक्षक पुष्कर बोगटीके कहब अनुसार सुमो दुर्घटनामे हेटौँडा उपमहानगरपालिका–४ कमलडाँडा निवासी ४० वर्षीया सबिता लम्साल, हेटौँडा उपमहानगरपालिका–२ कान्तिराजपथ निवासी २९ वर्षक निखिल अग्रवाल, हेटौँडा उपमहानगरपालिका–१० भुटनदेवी टोल निवासी ५६ वर्षक कृष्ण प्रसाद फुँयाल, भारतक विहार राज्य बेगुसराई निवासी ५० वर्षक अरबिन्द कुमार आ भारतक विहार राज्य पटना निवासी ४२ वर्षक रजनिस कुमारके मृत्यु भेल अइछ । मृतक एक गोटे पुरुषके सनाखत होबाक बाँकी भेल प्रहरी नायब उपरीक्षक बोगटी बतौलैन ।
दुर्घटनामे घायल भेल सुमो चालक हेटौँडा उपमहानगरपालिका–४ कर्रा चोक निवासी ४५ वर्षक गणेश थापा, मृतक सविताके १२ वर्षक बेटी अभ्यास लम्सालके चितवनस्थित पुरानो मेडिकल कलेज भरतपुरमे इलाज भ रहल आ दोसर घायल रौतहटक चन्द्रपुर नगरपालिका–२ निवासी २१ वर्षीया रिचा चौधरीके हेटौँडा अस्पतालमे इलाज भ रहल प्रहरी नायब उपरीक्षक बोगटी बतौलैन ।
काठमाण्डूसँ हेटाैँडा आइब रहल ना १ ज १७७८ नम्बरके सुमो गाड़ी रैबदिन साँझ सड़कसँ एक सओ मिटर निचा खसलासँ सुमोमे सवार छ गोटे गम्भीर घायल भेल भेल छल । उद्धार क हेटौँडा अस्पताल आनल गेलमे बितल राइत इलाजक क्रममे ओकरासभक मृत्यु भेल प्रहरी बतौलक अइछ । रासस





