काठमाण्डू, २१ पुसः राष्ट्रपति रामचन्द्र पौडेलसमक्ष महान्यायाधिवक्ताके कार्यालयके आर्थिक वर्ष २०८१/८२ के वार्षिक प्रतिवेदन पेस कएल गेल अइछ ।
राष्ट्रपति भवन शीतल निवासमे आइ आयोजित कार्यक्रममे राष्ट्रपति पौडेलसमक्ष महान्यायाधिवक्ता सविता भण्डारी उक्त प्रतिवेदन पेस केलैन अइछ ।
वार्षिक प्रतिवेदनमे सरकारी वकिल कार्यालयसँ सम्बन्धित तहके अदालतमे दायर भेल मुद्दा, रिट तथा निवेदनमध्ये ७५ हजार १ सओ ६५टा फर्छाएल गेलमे सरकारक पक्षमे फर्छौट प्रतिशत ६६.३४ अइछ ।
अइ आर्थिक वर्षमे देशभैरके अनुसन्धान निकायमे दर्ता भेल नेपाल सरकार वादी भेल मुद्दासँ सम्बन्धित कसुरके सङ्ख्या ५९ हजार ३ सओ ५५ रहलमे सरकारी वकिल कार्यालयसँ नेपाल सरकार वादी भ ४२ हजार १ सओ ९टा मुद्दामे ६६ हजार ३ सओ ८२ गोटे व्यक्तिपर मुद्दा चलेबाक निर्णय भेल अइछ ।
तहिना, चाइर हजार ५ सओ ४७ टा मुद्दामे चाइर हजार ८ सओ ४१ गोटे व्यक्तिपर मुद्दा नै चलेबाक निर्णय भेल प्रतिवेदनमे उल्लेख अइछ । तहिना, महान्यायाधिवक्ताके कार्यालय तथा मातहत कार्यालयसँ जमा तीन हजार ७५ प्रतिवादी रहल दू हजार ६ सओ १२टा मुद्दामे मिलापत्रके आदेश भेल अइछ ।
अइ आर्थिक वर्षमे महान्यायाधिवक्ताके कार्यालय आ मातहतके कार्यालयसभसँ ५२टा विषयमे कानुनी राय माँग भेलमे ४७टा विषयमे राय प्रदान कएल गेल अइछ ।
महान्यायाधिवक्ताके कार्यालय आ मातहत कार्यालयसँ अदालतमे बहस पैरवी आ प्रतिरक्षा कएल गेल मुद्दा, रिट तथा निवेदनके जमा संख्या एक लाख २७ हजार ४ सओ ९ अइछ । नेपाल सरकार वादी भेल मुद्दाके सङ्ख्या एक लाख पाँच हजार ३६, नेपाल सरकारपर दायर भेल रिटके संख्या १६ हजार ५ सओ १४ आ अन्य निवेदनके सङ्ख्या पाँच हजार ८ सओ ५९ अइछ । ई संखया बितल आर्थिक वर्षसँ ३.९० प्रतिशत कम अइछ ।
नेपालक संविधानके धारा १५९ के उपधारा (१) मे महान्यायाधिवक्ता प्रत्येक साल संविधान आ सङ्घीय कानुनबमोजिम अपने सम्पादन कएने काजक वार्षिक प्रतिवेदन तैयार क राष्ट्रपतिसमक्ष पेस करबाक व्यवस्था अइछ । रासस





