वीरगञ्जके जनजीवन सामान्य


वीरगञ्ज (पर्सा), २३ पुसः बितल किछ दिनसँ वीरगञ्जमे भ रहल विरोध प्रदर्शनक सम्बन्धमे सर्वदलीय/सर्वपक्षीय बैसारमे सहमति भेलाक बाद आइ भिंसरसँ वीरगञ्जके जनजीवन सामान्य भेल अइछ ।

लगातार दू दिनसँ विरोध प्रदर्शनक कारण अइ ठाम ‘कर्फ्यू’ आदेश जारी कएल गेल छल । मङ्गलदिन साँझमे अइ ठामक बजार आंशिक रूपमे संचलान भेलाक बादो आइसँ जनजीवन सामान्य बनल अइछ । अइ ठामक विद्यालय, बजार, उद्योगधन्दा तथा कलकारखाना सेहो पूर्ण रूपमे संचालन भेल अइछ ।

पर्साके प्रमुख जिला अधिकारी भोला दाहाल वीरगञ्जके जनजीवन सामान्य बनैत गेल बतौलैन । “सर्वदलीय तथा सर्वपक्षीय बैसारमे सहमति भेलाक बाद अइ ठामक जनजीवन सामान्य बइन रहल छै”, ओ कहलैन ।

प्रमुख जिला अधिकारी दाहाल सामाजिक आ धार्मिक आस्थासँ जुड़ल विषयमे दू समुदाय बीच विवादक अवस्था उत्पन्न होबाक सम्भावित जोखिमकेँ मध्यनजर क शांति सुरक्षा कायम राखबाक लेल कर्फ्यू आदेश जारी कएल गेल बतौलैन । सम्भावित जोखिम नै होए आ अवस्था सामान्य बनेबाक लेल सोमदिनसँ अइ ठाम कर्फ्यू लगाएल गेल छल । मङ्गलदिन सर्वपक्षीय बैसारमे सहमति भेलाक बाद कर्फ्यू हटाएल गेल ओ जानकारी देलैन ।

स्थानीय प्रशासन लगाबैत आएल कर्फ्यू हटलाक बाद वीरगञ्जके बजारमे सर्वसाधारणके चहलपहल सुरु भेल अइछ, तँ वीरगञ्जके मेनरोडमे भेल दोकानसभ संचालन भेल अइछ । तहिना, रिक्सा, टाँगा, मोटरसाइकल तथा अन्य सवारीसाधन सेहो पूर्ववत् रुपमे सुचारू भेल अइछ ।

जिला प्रशासन कार्यालयके अगुवाइमे मङ्गलदिन भेल सर्वदलीय/सर्वपक्षीय बैसारमे सहमति भेलाक बाद सोमदिनसँ लगाएल गेल कर्फ्यू मङ्गलदिन दुपहर ३ः०० बजेसँ हटाएल गेल छल ।
रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय