प्रतिनिधि सभा निर्वाचनः आइ समानुपातिकदिस उम्मेदवारी फिर्ता लेबाक समय


काठमाण्डू, २८ पुसः आगामी फागुन २१ गते होबएबला प्रतिनिधि सभा निर्वाचनक लेल समानुपातिकदिसक उम्मेदवार आइ दुपहर ४ बजेधैर उम्मेदवारी फिर्ता ल सकत ।

निर्वाचन आयोगद्वारा जारी कएल गेल सूचना अनुसार प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनमे राजनीतिक दल इएह पुस १३ आ १४ गते पेस कएने बन्दसूचीके सम्बन्धमे आयोगसँ स्वीकृत कार्यक्रम बमोजिम सम्बन्धित उम्मेदवार अपन उम्मेदवारी फिर्ता ल सकत ।

आयोगद्वारा सम्बन्धित सब उम्मेदवारकेँ अइ सम्बन्धमे जानकारी कराएल गेल निर्वाचन अधिकृत कृष्ण बहादुर राउत जानकारी देलैन । आयोगक समानुपातिक निर्वाचन अधिकृतके कार्यालयमे आइ भोर १० बजेसँ ४ बजेधैर उम्मेदवारी फिर्ता ल सकबाक कार्यक्रम अइछ ।

बन्दसूचीमे नाम समावेश भेल उम्मेदवार अपन नाम फिर्ता लेबाक लेल इच्छुक भेलापर प्रतिनिधि सभा सदस्य समानुपातिक निर्वाचन निर्देशिका, २०८२ के अनुसूची १८ बमोजिमके ढाँचामे निवेदन द सकत । कोनो कारणवश सम्बन्धित उम्मेदवार उपस्थित नै होबाक अवस्थामे वारेसमार्फत सेहो नाम फिर्ता लेबाक लेल निवेदन द सकत से आयोग जनौलक अइछ ।

जमा २ सओ ७५ सदस्यीय प्रतिनिधि सभामे प्रत्यक्ष निर्वाचन प्रणालीमार्फत १ सओ ६५ गोटे आ समानुपातिक निर्वाचन प्रणालीसँ १ सओ १० गोटे निर्वाचित होबाक व्यवस्था अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय