विशेष महाधिवेशनके स्वामित्व ग्रहण करबाक लेल पार्टी नेतृत्वकेँ आग्रह


काठमाण्डू, २९ पुसः नेपाली कांग्रेस विशेष महाधिवेशन पक्षधरद्वारा आयोजित विशेष महाधिवेशनके स्वामित्व ग्रहण करबाक लेल पार्टी संस्थापनकेँ आग्रह कएल गेल अइछ ।

कांग्रेस विशेष महाधिवेशनक प्रचार-प्रसार समितिक संयोजक सुवास पोखरेल पत्रकार सम्मेलन क पार्टीकेँ एकताबद्ध बना आगु बढ़ेबाक लेल पार्टी संस्थापनकेँ स्वामित्व ग्रहण करए लेल आग्रह केलैन अइछ ।

“महाधिवेशन प्रतिनिधि कांग्रेसक विधानके सर्वोच्च विधायक छै । विशेष महाधिवेशनसँ कएल गेल निर्णयकेँ माइन क पार्टीकेँ आगु बढ़एपड़त । विशेष महाधिवेशनके स्वामित्व ग्रहण करएपड़त”, ओ कहलैन ।

प्रचार-प्रसार समितिक संयोजक पोखरेल पार्टी सभापतिके अपन जिमेवारी छोड़ए, विशेष महाधिवेशनके स्वामित्व ग्रहण करए आ आगामी निर्वाचनमे सभापति उम्मेदवार नै बनबाक चाही से ओ उल्लेख केलैन ।

आन्तरिक लोकतन्त्रकेँ मजबुत बनेबाक लेल विशेष महाधिवेशनसँ बड़का सहयोग भेल ओ बतौलैन । आगामी दिनमे कांग्रेस भीतर भागबण्डाके अन्त्य हएत से हुनक कहब छलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय