कांग्रेस विशेष महाधिवेशनः आइ निर्वाचनक कार्यक्रम


काठमाण्डू, ३० पुसः नेपाली कांग्रेस विशेष महाधिवेशन पक्षधरद्वारा आयोजित विशेष महाधिवेशन निर्वाचनक कार्यतालिका आगु बढ़ौलक अइछ । नेपाली कांग्रेस विशेष महाधिवेशनद्वारा गठन कएल गेल निर्वाचन समिति उम्मेदवार मनोनयनके काज आइ भोर ९.१५ बजेधैरके लेल निर्धारण कएने छल । ओइके बाद निर्वाचनक अन्य काज आगु बढ़ेबाक निर्वाचन समितिक संयोजक वरिष्ठ अधिवक्ता सीताराम केसी जानकारी देलैन ।

पार्टीके विद्यमान विधानअनुसार होबए लागल निर्वाचनमे एक सभापति, दू उपसभापति, दू महामन्त्री, आठ सहमहामन्त्री आ एक सओ २१ सदस्य पदमे मतदान हएत । विशेष महाधिवेशन बनौने कार्यविधिमे पाँच सदस्यीय निर्वाचन समिति रहबाक व्यवस्थाअनुसार वरिष्ठ अधिवक्ता केसीके संयोजकत्वमे निर्वाचन समिति गठन कएल गेल छल ।

नेपाली कांग्रेसक १४म महाधिवेशनमे चाइर हजार ७ सओ ४३ मतदाता छल । जइमे निधन भेल आ अन्य पार्टीमे प्रवेश कएने बाहेक अखन चाइर हजार ६ सओ ३५ महाधिवेशन प्रतिनिधि अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय