काठमाण्डू, १ माघः महान्यायाधिवक्ताके कार्यालय राष्ट्रिय स्वतन्त्र पार्टी (रास्वपा)के सभापति एवं पूर्वगृहमन्त्री रवि लामिछाने विरुद्धक सङ्गठित अपराध आ सम्पत्ति शुद्धीकरणसम्बन्धी मुद्दा फिर्तासम्बन्धी प्रक्रिया आगु बढ़ेबाक लेल स्वीकृति देलक अइछ ।
कार्यालय बुधदिन विभिन्न अदालतमे भेल उक्त मुद्दासम्बन्धी अभियोग संशोधन करबाक लेल स्वीकृति देलक अइछ ।
“रवि लामिछाने प्रतिवादी भेल मुद्दासभमे सेहो लगाएल गेल सङ्गठित अपराध आ सम्पत्ति शुद्धीकरणसम्बन्धी अभियोग कास्की, काठमाण्डू, रुपन्देही आ पर्सा जिला अदालतमे चितवन जिला अदालतमे भेल समान ठगी तथा सहकारी ठगीमे कएल गेल अभियोग कायम क सङ्गठित अपराध आ सम्पत्ति शुद्धीकरणके अभियोग दाबी निजके हकमे कायम नै रहैजका मुलुकी फौजदारी कार्यविधि संहिता, २०७४ बमोजिम अभियोग संशोधन होएजका स्वीकृति देबाक निर्णय कएल गेल अइछ”, महान्यायाधिवक्ता सविता भण्डारीद्वारा प्रमाणित टिप्पणीमे उल्लेख अइछ ।
महान्यायाधिवक्ता कार्यालयके स्वीकृति सङे आब जिला सरकारी वकिलक कार्यालय कास्की, रुपन्देही, काठमाण्डू आ पर्सासँ आवश्यक कारबाही आगु बढ़त ।
लामिछाने बुधदिन सम्पत्ति शुद्धीकरण आ सङ्गठित अपराधके मुद्दा फिर्ता लेबाक लेल महान्यायाधिवक्तासमक्ष निवेदन देने छलैन । (रासस)





