पेट्रोलियम पदार्थके दाम समायोजन


काठमाण्डू, २ माघः नेपाल आयल निगम पेट्रोलियम पदार्थके दाम समायोजन केलक अइछ ।

निगम आइ मध्यराति १२ः०० बजेसँ लागू होएजका पेट्रोलक दाम प्रतिलिटर तीन टकासँ घटल जनाैलक अइछ । तहिना, डिजेल आ मट्टितेल प्रतिलिटर एक टकासँ घटल अइछ । निगमद्वारा निर्धारण कएल गेल नयाँ दामक सूचीअनुसार पेट्रोल प्रतिलिटर एक सओ ५६ टका आ डिजेल तथा मट्टितेल प्रतिलिटर एक सओ ३६ टका कायम भेल अइछ ।

इन्डियन आयल कर्पोरेसनसँ माघ १ मे प्राप्त भेल पेट्रोलियम पदार्थके नयाँ खरिद दामअनुसार निगम संचालक समिति नयाँ दामक सूची निर्धारण केलक अइछ । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय