सिरहा, २ माघः मधेश प्रदेशक सभामुख राम आशिष यादव देशक समृद्धिके लेल कृषककेँ सम्मान आ कृषिसँ जुड़ल व्यवसायकेँ राज्यद्वारा संरक्षण करबाक चाही तइपर जोड़ देलैन अइछ ।
लहान नगरपालिका–११ स्थित साना किसान कृषि सहकारी संस्था लिमिटेड पड़रियाके २१म साधारणसभाकेँ वृहस्पैतदिन सम्बोधन करैत सभामुख यादव कृषिप्रधान देश भेलाक बादो मधेशक कृषक अखनो सम्मानित नै भेल कहैत चिन्ता व्यक्त केलैन ।
“कृषक सम्मानित नै भेलासँ ओकरासभमे कृषिप्रति मोह भङ्ग भ रहल छै”, ओ कहलैन, “देशक समृद्धि आ विकासक प्रमुख आधार कृषि आ पर्यटन भेलासँ राज्य आ सरोकारवालाकेँ अइदिस केन्द्रित होबाक चाही ।”
सहकारीक नमुनाके प्रशंसा करैत सभामुख यादव साना किसान सहकारी संस्था पड़रिया कएने काज प्रदेश सरकारक लेल गौरवके विषय भेल उल्लेख केलैन । संस्थाद्वारा सात प्रतिशतमे कर्जा, नौ प्रतिशत ब्याज आ उद्यमशीलतामे महिलाकेँ देल गेल प्राथमिकता सराहनीय भेल हुनक कहब छलैन ।
कृषक कार्ड, पशु बीमा आ सहुलियतपूर्ण कर्जाके लेल हम हर सम्भव भूमिका निर्वाह करत से सभामुख यादव प्रतिबद्धता व्यक्त केलैन । मधेशक कृषिकेँ महिला सम्हारने चर्चा करैत ओ वैदेशिक रोजगारीमे जाएबला युवा शक्तिकेँ स्वदेशक कृषिमे आकर्षित करबाक योजना आनबाक आवश्यकता भेल बतौलैन । (रासस)





