विगतके निर्णय आ नजिरक आधारमे कांग्रेसक विवाद समाधान करबाक लेल कार्यवाहक सभापति खड्काके आग्रह


काठमाण्डू, २ माघः नेपाली कांग्रेसक कार्यवाहक सभापति पूर्ण बहादुर खड्का पार्टीमे देखल गेल विवाद निर्वाचन आयोगक विगतके निर्णय आ नजिरक आधारमे जल्दी समाधान करबाक लेल आग्रह केलैन अइछ ।

कांग्रेसक १४म महाधिवेशनसँ निर्वाचित केन्द्रीय समितिक अधिकांश पदाधिकारी आ सदस्यसहित आइ आयोग गेल ओ पार्टीके कागजात दैत समस्या समाधानक लेल आग्रह केलैन ।

दल विभाजनक सन्दर्भमे आयोगक विगतके निर्णय आ नजिर विपरीत कांग्रेस आधिकारिकताके निर्णय कएलासँ ओ मान्य नै हएत से कार्यवाहक सभापति खड्का स्पष्ट केलैन ।

कांग्रेसक विषयमे विभिन्न संचारमाध्यममे आएल समाचारक आधारमे हमरासभ आयोगमे आएल कहैत ओ विशेष महाधिवेशनक सन्दर्भमे ८ सओ ८५ गोटे महाधिवेशन प्रतिनिधि हस्ताक्षर फिर्ता लेने जानकारीसहितक विवरण कार्यवाहक प्रमुख निर्वाचन आयुक्त राम प्रसाद भण्डारीकेँ बुझौलैन ।

कांग्रेस नेता डा. शेखर कोइराला लोकतान्त्रिक पद्धतिअनुसार पार्टी आधिकारिकताके निर्णय हएत से विश्वास व्यक्त करैत पूरे केन्द्रीय समिति उपस्थित भ आयोगसँ अनुरोध कएने जानकारी करौलैन । कोनो आयुक्त टुँड़िखेलमे जा निर्वाचन कार्यक्रम सुरु करा क आधिकारिकता प्राप्त नै हएत उल्लेख करैत ओ कांग्रेसक विवादक बारेमे आधिकारिकताक निर्णय सेहो ओएह आधारमे हाेबाक विश्वास व्यक्त केलैन ।

दस्ताबेज ग्रहण करैत कार्यवाहक प्रमुख आयुक्त भण्डारी विधि आ पद्धतिमे रहि आयोग निर्णय करत से बतौलैन । निर्वाचनक सब कार्यक्रममे सक्रिय सहभागिताके लेल सेहो अनुरोध केलैन । (रासस)

ताजा खबर
लोकप्रिय