थापा नेतृत्वक कांग्रेसके निर्वाचन आयोगसँ आधिकारिक मान्यता


काठमाण्डू । भृकुटीमण्डपमे सम्पन्न विशेष महाधिवेशनसँ सभापति निर्वाचित भेल गगनकुमार थापा नेतृत्वक नेपाली कांग्रेसके निर्वाचन आयोग आधिकारिक मान्यता देलक अइछ ।

शुक्र दिन बइठल आयोगक बैठक थापाके पार्टी सभापतिक रूपमे वैध ठहर कएने अइछ । पुस २७ सँ ३० गतेधइर राजधानीमे भेल विशेष महाधिवेशनमे बहुमत महाधिवेशन प्रतिनिधिक उपस्थितिमे थापा सभापति चुनल गेल छल ।

सभापति चुनाइलाक बाद बिहीबार भेल केन्द्रीय समिति बैठकक निर्णयसहित थापाले आयोगमे आधिकारिकताक दावा करैत आवश्यक कागजात बुझौने छल । आयोग सब कागजात अध्ययन कए कऽ थापा नेतृत्वक केन्द्रीय समितिके वैध ठहर कएने अइछ ।

एहिसँ नेपाली कांग्रेसक चुनाव चिह्न गााछी आ चारतारे झण्डा शेरबहादुर देउवा पक्षसँ गुइम गेल अइछ । देउवा पक्ष सेहो अपनाके आधिकारिक बतबैत आयोगमे कागजात बुझौने छल, मुदा अन्ततः आयोग थापा नेतृत्वक समूहके मान्यता देने अइछ ।

ताजा खबर
लोकप्रिय