पाटन (ललितपुर), ३ माघः सञ्चार तथा सूचना प्रविधिमन्त्री जगदीश खरेल भावी सरकारमे सेहो ‘मिडिया’कर्मीके प्रतिनिधित्व होएबाक चाही बताैलैन अइछ ।
नेपाल पत्रकार महासङ्घ एसोसिएट प्रदेशक आयोजनमे आइ ललितपुरके महालक्ष्मीस्थानमे भेल दोसर राष्ट्रिय सम्मेलनमे ओ सञ्चारकर्मीसभ हरेक क्षेत्रमे निपुण भेलासँ आब बनैबला सरकारका सेहो हुनकासभके प्रतिनिधित्व होएबाक चाही बतौलैन ।
पत्रकार देश, समाज आ राजनीतिक बारेमे सब बात बुझने रहैत छै तँए राज्य सञ्चालनमे सञ्चारकर्मीकेँ कठिन नै हएत। “हमहुँ २५ वर्ष पत्रकारिता कएने छी, जेनजी आन्दोलनके बलमे आकस्मिक रुपमे मन्त्री भेलौँ, राजनीतिकेँ पेशा बना क मात्रे राजनीति करए पड़त से भाष्य समाप्त भेलै, जेनजी जनआन्दोलन पत्रकारिताकेँ सम्मान कएलाक कारणेँ हम मन्त्री भेलौँ, देशक १४ हजारसँ बेसी पत्रकारमध्ये बहुतमे राष्ट्रके नेतृत्व करबाक क्षमता अइछ ।”
सञ्चार तथ सूचना प्रविधिमन्त्री जेनजी आन्दोलनके बलमे गठन भेल वर्तमान सरकार चाइर महिनामे जनपक्षीय काज मात्रे कएने कहैत अगिला फागुन २१ गते होएबला निर्वाचनकेँ सफल बनेबाक लेल सबकेँ सहयोग जरुरी रहल कहलैन ।
नेपाल पत्रकार महासङ्घके अध्यक्ष निर्मला शर्मा श्रमजीवी पत्रकारसभके हकहितके लेल महासङ्घ क्रियाशील रहल बतौलैन । सङे अभिव्यक्ति स्वतन्त्रता आ लोकतन्त्रके रक्षाक लेल सेहो महासङ्घ सक्रिय रहल बतौलैन ।
चलचित्र पत्रकार सङ्घके अध्यक्ष बैकुण्ठराज पराजुली मूलधारक मिडियामे कार्यरत श्रमजीवी पत्रकारसभके हकहितक लेल सब पत्रकारकेँ एकजुट रहबाक चाही कहलैन । (रासस)





