काठमाण्डू, ६ माघः निर्वाचन आयोग अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक प्रत्यक्षदिस उम्मेदवार मनोनयन दर्ताक लेल नागरिकताके प्रमाणपत्र अनिवार्य कएल गेल जनौलक अइछ ।
आयोगद्वारा निर्धारण कएल गेल कार्यसूचीअनुसार आइ देशभैर उम्मेदवारक मनोनय भ रहल अइछ । मनोनयन दर्ताके लेल नागरिकताके प्रमाणपत्रके प्रतिलिपि या मतदाता परिचयपत्रके प्रतिलिपि अनिवार्य अइछ । तहिना, कोनो गाउँपालिका या नगरपालिकाके अन्तिम मतदाता नामावलीमे नाम समावेश भेल निस्सा सेहो जरुरी होबाक आयोग जनौलक अइछ ।
उम्मेदवारी दैत समय नेपाल सरकार, प्रदेश सरकार या स्थानीय तहमे तथा नेपाल सरकार, प्रदेश सरकार या स्थानीय तहके स्वामित्व या नियन्त्रणमे रहल या नेपाल सरकार, प्रदेश सरकार या स्थानीय तहसँ अनुदान प्राप्त संस्थासँ पारिश्रमिक लैत आएलमे ओइ पदसँ राजीनामा देने निस्सा सेहो आवश्यक कएल गेल अइछ । सम्बन्धित अनुसूचीबमोजिमके प्रतिनिधि मुकरर कएने फारम सेहो आवश्यक हएत ।
प्रचलित कानुनबमोजिम योग्यता भेल व्यक्तिके मनोनयनपत्र दर्ता करैत समय प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचन नियमावली, २०७४ के नियम ८ बमोजिम ओएह निर्वाचन क्षेत्रके अन्तिम मतदाता नामावलीमे नाम समावेश भेल एक गोटे प्रस्तावक आ दोसर एक गोटे समर्थकके विवरण भइर क सहिछाप कएने मनोनयन पत्र आवश्यक हएत ।
दलके दिससँ उम्मेदवारी देने अवस्थामे उम्मेदवार मनोनयनके औपचारिक पत्र प्रदान करबाक अधिकार प्राप्त ओइ दलक केन्द्रीय कार्यकारिणी समिति या ओएह समानक समितिके पदाधिकारीद्वारा प्रदान कएल गेल प्रतिनिधि सभा सदस्य उम्मेदवार मनोनयनके औपचारिक पत्र आवश्यक हएत ।
तहिना, एकल चुनाव चिह्नसँ संयुक्त रूपमे निर्वाचनमे सहभागी दलसभक हकमे प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचन निर्देशिका, २०८२ के बमोजिमके उम्मेदवार मनोनयनके औपचारिक पत्र सेहो उपलब्ध कराबए पड़त ।
प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचनक उम्मेदवारके लेल १० हजार सम्बन्धित निर्वाचन अधिकृतके कार्यालयमे धरौटी जमा कएने रसिद या भौचर सेहो आवश्यक हएत । महिला आ दलित या अल्पसङ्ख्यक समुदाय या आर्थिक रूपसँ विपन्न उम्मेदवारके हकमे धरौटी रकममे ५० प्रतिशत छुट होबाक व्यवस्था कएल गेल अइछ ।
आर्थिक विपन्न भेल उम्मेदवारक हकमे सम्बन्धित स्थानीय तह आर्थिक रूपमे विपन्न कहि सिफारिस कएने पत्र सेहो जरुरी होबाक आयोग जनौलक अइछ । उम्मेदवार होएबला व्यक्तिके प्रतिनिधि सभा सदस्य निर्वाचन निर्देशिका, २०८२ बमोजिमके स्वघोषणा पत्र सेहो उपलब्ध कराबए पड़त ।
तहिना, अपन चल, अचल सम्पत्ति, बैंक तथा वित्तीय संस्थामे भेल खाता, धितोपत्र सेयर, ऋणपत्र, केकरो कर्जा देने या लेने अवस्थामे ओकर सम्पूर्ण विवरण उल्लेख क सिलबन्दी रूपमे पेस कएने सम्पत्ति विवरण सेहो उपलब्ध कराबए पड़त । वैयक्तिक विवरण फारम सेहो भड़ए पड़त ।
उम्मेदवार होएबला व्यक्तिके अपने निर्वाचित, मनोनीत या नियुक्त भेल निकायसँ कोनो प्रकारक पेस्की लेने अवस्थामे पेस्की फर्छ्योट भेल व्यहोराके निस्सा सेहो उपलब्ध कराबए पड़त । लेखा परीक्षणसँ कोनो उम्मेदवारक नाममे किटानी सङे असुल उपर करए पड़त कहि कायम भेल बेरुजु भेलापर बेरुजु फर्छ्योट कएने निस्सा सेहो जरुरी होबाक आयोगक प्रवक्ता नारायण प्रसाद भट्टराई जानकारी देलैन । (रासस)





