निर्वाचन आचारसंहिता पालनक लेल आह्वान


काठमाण्डू, ९ माघः अगिला फागुन २१ गते होएबला प्रतिनिधि सभा निर्वाचनकेँ स्वच्छ, निष्पक्ष आ स्वतन्त्र ढङ्गसँ सम्पन्न करबाक लेल निर्वाचन आचारसंहिता पूर्ण रुपमे पालन करबाक लेल आह्वान कएल गेल अइछ ।

नेपाल मानव अधिकार सङ्गठनक अध्यक्ष इन्द्र प्रसाद अर्याल आ अनौपचारिक क्षेत्र सेवा केन्द्र (इन्सेक) के अध्यक्ष विजयराज गौतमद्वारा संयुक्त रूपमे जारी विज्ञप्तिमे अगिला निर्वाचनकेँ स्वच्छ, निष्पक्ष, स्वतन्त्र आ विश्वसनीय बनेबाक लेल निर्वाचन आचारसंहिताके प्रभावकारी पालनक लेल आह्वान कएल गेल अइछ । निर्वाचनमे संलग्न सब सरोकारवाला, राजनीतिक दल, उम्मेदवार, सरकारी निकाय, सुरक्षाकर्मी, सञ्चारमाध्यम तथा मतदाताकेँ निर्वाचन आचारसंहिता अक्षरशः पालन करबाक लेल आह्वान कएल गेल अइछ ।

“स्वच्छ, निष्पक्ष आ भयरहित निर्वाचन लोकतन्त्र सुदृढ़ीकरणक आधार छै”, विज्ञप्तिमे कहल गेल अइछ, “अभियानसँ निर्वाचनकेँ स्वच्छ आ विश्वसनीय बनेबाक लेल निरन्तर निगरानी, सहकार्य आ नागरिक सचेतनामे सक्रिय रूपमे लागबाक प्रतिबद्धता व्यक्त करैत छी ।”

सुरक्षा निकायकेँ निर्वाचन अवधिभैर शांतिसुरक्षा कायम करए, निष्पक्ष आ व्यावसायिक भूमिका निर्वाह करए तथा सञ्चारमाध्यमकेँ जिमेवार, तथ्यपरक आ सन्तुलित समाचार सम्प्रेषण करबाक लेल आग्रह करैत मतदाताकेँ सेहो कोनो प्रकारक प्रलोभन, दबाब या गलत सूचनासँ प्रभावित नै होबए आ अपन मताधिकार स्वतन्त्र रूपमे प्रयोग करबाक लेल दूनु संस्था अनुरोध कएने अइछ ।

“निर्वाचन लोकतन्त्रक आधार छै । निर्वाचन प्रक्रियामे होएबला हिंसा, डरत्रास, मतदाता प्रलोभन, सरकारी स्रोतसाधनक दुरुपयोग, घृणात्मक अभिव्यक्ति, गलत सूचना तथा सामाजिक सञ्जालक दुरूपयोगसँ निर्वाचनक विश्वसनीयतापर गम्भीर प्रश्न उठत”, विज्ञप्तिमे कहल गेल अइछ, “एहन गतिविधिकेँ रोकबाक लेल निर्वाचन आयोगद्वारा जारी आचारसंहिता सबके लेल बाध्यकारी होबाक चाही ।”

स्वच्छ निर्वाचनक लेल नागरिक अभियान राजनीतिक दल आ उम्मेदवारकेँ शांतिपूर्ण, मर्यादित आ मुद्दा केन्द्रित चुनावी प्रतिस्पर्धा करबाक लेल आग्रह करैत निर्वाचन आयोगकेँ आचारसंहिता कार्यावंयनमे आओर प्रभावकारी भूमिका निर्वाह करए तथा उल्लङ्घनके घटनामे निष्पक्ष आ कड़ाइसँ कारबाही करबाक लेल सेहो अनुरोध कएल गेल अइछ ।

“निर्वाचनक सम्पूर्ण प्रक्रिया हमरासभ लगसँ अवलोकन क रहल छी । मनोनयन क्रममे देखल गेल उत्साह आ जनसहभागिता प्रशसंनीय छै”, विज्ञप्तिमे कहल गेल अइछ, “मुदा, किछ स्थानमे देखल गेल तामझाम आ उत्तेजक गतिविधि आचारसंहिताविपरीत भेलासँ सम्बन्धित पक्षकेँ ध्यानाकर्षण कराबए चाहैत छी ।” रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय