मधेश–प्रदेशमे ३ सओसँ बेसी मतदाताद्वारा मतदान


जनकपुरधाम, ११ माघः मधेश–प्रदेशक राजधानी जनकपुरधाममे भ रहल राष्ट्रिय सभा सदस्य निर्वाचनमे दुपहर २ः०० बजेधैर ३ सओसँ बेसी गोटे मतदान केलैन अइछ ।

राष्ट्रिय सभाके चाइरटा सदस्यके लेल ११ गोटेक उम्मेदवारी पड़ल निर्वाचनमे मधेश–प्रदेश सभाक सदस्य, नगर तथा गाउँपालिकाक प्रमुख आ उपप्रमुखसहित ३ सओ ६४ गोटे मतदाता छैथ ।

राष्ट्रिय सभा निर्वाचन अधिकृत कार्यालयके निर्वाचन अधिकृत सुभास बाबु पुरीके कहब अनुसार मधेश प्रदेशक मुख्यमन्त्री कृष्ण प्रसाद यादव, सभामुख राम अशिष यादव, उपसभामुख बबिता राउत इसरलगायतक पदाधिकारीसभ मतदान क चुकल छैथ । आइ भोर ९ः०० बजेसँ सुरु भेल मतदान दुपहर ३ः०० बजे सम्पन्न हएत ।
रासस

ताजा खबर
लोकप्रिय