काठमाण्डू, ११ माघः गृहमन्त्री ओमप्रकाश अर्याल ‘सामाजिक सञ्जालसँ भ्रम फैलेनिहार विरुद्ध कारबाही करए लेल आदेशके प्रतिक्षा नै करबाक चाही से बताैलैन अइछ ।
भोटाहिटीस्थित नेपाल प्रहरीके साइबर ब्युरोमे पहुँच क आइ ओ ताहि ठाँम कार्यरत प्रहरी कर्मचारीकेँ कानुनविपरीत गतिविधि केनिहार सबकेँ कारबाहीके दायरामे अनबाक लेल उच्च अधिकारी वा निकायके आदेशक प्रतीक्षा करबाक अनिवार्य नै रहल बतौलैन ।
गृहमन्त्री अर्याल आसन्न प्रतिनिधिसभा सदस्य निर्वाचनकेँ मर्यादित बनेबाक लेल साइबर ब्युरो सामाजिक सञ्जालमार्फत होएबला अमर्यादित तथा कानुनद्वारा वर्जित तथ्यहीन आ भ्रामक समाचार तथा सूचनाके सूक्ष्म ढङ्ग अनुगमन करए लेल निर्देशन देलैन ।
सङे ओ मिथ्या सूचना प्रवाह केनिहारकेँ तत्काल कारबाहीके दायरामे अनबाक जरूरी रहल कहलैन । निर्वाचनकेँ दृष्टिगत क ब्युरोकेँ आओर सक्रिय होबाक लेल गृहमन्त्री आग्रह केलैन । (रासस)





